spot_img
Sunday, February 1, 2026
spot_img
Homeटटका खबरिबाबा विद्यापति स्मारक समिति, रांची एवं मचान उत्कर्ष फाउण्डेशन, रांची केर पंचांग...

बाबा विद्यापति स्मारक समिति, रांची एवं मचान उत्कर्ष फाउण्डेशन, रांची केर पंचांग विमोचन काइल (18जनवरी2026)

-

लहरि रूम(रांची) : झारखण्ड केँ राजधानी रांची मे दिनांक 18 जनवरी 2026 (रवि दिन) दू ठाम मैथिली वार्षिक पंचांग केर विमोचन होमय वला अछि। एकटा मैथिली वैवाहिक संगठन अछि आओर दोसर ट्रस्ट।

बाबा विद्यापति स्मारक समिति,रांची
बाबा विद्यापति स्मारक समिति,रांची के द्वारा प्रातः काल 11 बजे सँ कचहरी चौक पर RIT बिल्डिंग लग आयोजन होमय जा रहल अछि। जाहि मे मुख्य अतिथी के रूप रक्षा राजयमंत्री संजय सेठ, विधायक सरयू राय, रांची विधायक सी पी सिंह, हटिया विधायक नवीन जयसवाल, पूर्व मेयर आशा लकड़ा, उप मेयर संजीव विजयवर्गीय संग अनेक गणमाण्य के करकमल सँ मैथिली वार्षिक पंचांग के विमोचन होयत। कार्यक्रम के सफल बनेबाक हेतु समिति के अध्यक्ष जयंत झा, महासचिव मृत्युंजय झा, संरक्षक आशु झा, संयोजक सह मीडिया प्रभारी ज्ञानदेव झा संग अनेको सदस्य अपन योगदान द’ रहला अछि।

मचान उत्त्कर्ष फाउण्डेशन, रांची
मचान उत्त्कर्ष फाउण्डेशन, रांची के ट्रस्टी भारतेन्दु झा के द्वारा रांची के कांके रोड स्थित गाँधी नगर रीक्रियेशन क्लब मे संध्याकाल 4 बजे सँ उपस्थित मिथिला समाज कें गणमाण्य लोकनिक द्वारा मैथिली वार्षिक पंचांग के विमोचन होयत। एहि ठामक कार्यक्रम मैथिली पुस्तक स्नेही लोकनिक लेल अपराह्न 2 बजे सँ पुस्तक प्रर्दशनी (कालजयी मिथिला विभूति प्रदर्शनी) सँ प्रारम्भ होयत।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts