
लहरि रूम ( रांची) : बाबा विद्यापति स्मारक समिति रांची के द्वारा आई दिनाँक 1 मार्च 2026 रवि दिन क’ होली मिलन समारोह के आयोजन कयल गेल। इ आयोजन रांची के कचहरी चौक स्थित समिति के कार्यालय मे आयोजित भेल। एहि अवसर मुख्य अतिथि के रूप रांची केर विधायक सी पी सिंह, अंतर्राष्टीय मैथिली परिषद् के झारखण्ड प्रदेश के अध्यक्ष अमर नाथ झा संग अनेको गणमान्य उपस्थित छला। समिति के द्वारा आयोजित होली मिलन गमैया होली के अंश प्रस्तुत करबाक प्रयास कयलक। समिति के अध्यक्ष जयंत झा. मृत्युंजय झा , ज्ञान देव झा, संतोष मिश्र एवं मनोज कुमार झा के अनेको सदस्य लोकनिक द्वारा आयल आगुन्तक अतिथि लोकनि के स्वागत कयल गेल। गायक कलाकार यतीन्द्र दास जी एवं अश्वनी आनंद के द्वारा एक सँ होली के जोगीरा के गीतक प्रस्तुति भेल। तरल माँछ , भुजा फ्राई एवं माल पुआ संग ठंढई केर आनंद सब गोटे भरपूर लेला।


