spot_img
Friday, March 27, 2026
spot_img
Homeटटका खबरिबाबा विद्यापति स्मारक समिति, रांची कें द्वारा रामनवमी केँ अवसर पर लगाओल...

बाबा विद्यापति स्मारक समिति, रांची कें द्वारा रामनवमी केँ अवसर पर लगाओल गेल सेवा शिविर

-

लहरि रूम ( रांची ) : रामनवमी केँ अवसर पर रांची के कचहरी चौक पर बाबा विद्यापति स्मारक समिति, रांची के द्वारा सेवा शिविर लगाओल गेल। सेवा शिविर केँ उद्घाटन मुख्य अतिथि रांची के नव निर्वाचित मेयर श्रीमती रोशनी खलखो कयलनि। विशिष्ट अतिथि रांची केँ पूर्व उप मेयर संजीव विजय वर्गीय अपन गरिमामयी उपस्थिति देलनि।

रांची मे भव्य निकलैत अछि शोभा यात्रा
रामनवमी केँ दिन रांची के रहनिहार लोकनि आओर विभिन्न संगठन केँ द्वारा भगवान् बजरंगबली (महावीर जी केँ ध्वजा) केँ झंडा के शोभा यात्रा निकालल जाइत अछि। इ यात्रा रांची केँ कचहरी चौक सँ अपर बाजार होइत महात्मा गाँधी मार्ग पर स्थित तपोवन मंदिर पर समाप्त होइत अछि। जे ध्वज सब सं बेसी उच आओर आकर्षक होइत अछि ओहि केँ रांची के प्रसिद्ध तपोवन मंदिर के संगठन के द्वारा सम्मानित कयल जाइत अछि। एहि आयोजन मे झारखण्ड सरकार के मुखिया (मुख्यमंत्री) स्वयं उपस्थित होइत छथि। कचहरी चौक पर दूर दूर सँ लोक सब अपन अपन ध्वजा ल’ क’ उपस्थित होइत छैथ। थाकल – थेहियाल लोक सभहक लेल एहि बेर बाबा विद्यापति स्मारक समिति रांची सेवा शिविर लगौने छल। जाहि मे चना, गुड़ , शीतल पेय जल के व्यवस्था छल।
एहि आयोजन के सफल बनबै मे समिति केँ अध्यक्ष जयंत झा, मृत्युंजय झा, छवि झा, संतोष मिश्र, मनोज झा संग अनेकों समिति केँ सदस्य लोकनि उपस्थित छला।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts