नई दिल्ली : बारबाडोस मे 155 किलोमीटर प्रति घंटा केँ रफ्तार सँ चलै वाला चक्रवाती तूफान बेरिल द्वारा तबाही केँ आलम बनल अछि । टीम इंडिया जतय सँ टी-20 विश्व कप जीत क’ इतिहास रचने छल एहि तूफान केँ वजह सँ होटल मे फसल अछि। आंधी केँ तेज हवा आओर भारी बरखा केँ कारण सँ सब हवाई अड्डा बंद करी देल गेल अछि आओर कर्फ्यू जेहन स्थिति बनी गेल अछि । पूर्व भारतीय क्रिकेटर रॉबिन सिंह बारबाडोस मे आयल आंधी के वीडियो शेयर क’ ओतय के स्थिति केँ देखौलनि अछि।

