ट्रेन हादसा ,मालगाड़ी पर चढ़ल पैसेंजर गाड़ी : बिलासपुर

लहरि रूम (रांची) : मीडिया सूत्र सँ खबरि आबि रहल अछि जे ,छत्तीसगढ़ के बिलासपुर मे एकटा पैघ ट्रेन दुर्घटना भेल अछि। एकटा यात्री ट्रेन आ मालगाड़ी सँ टकरा गेल। लाल खंड के नजदीक भेल अछि दुर्घटना। रायगढ़सँ पैसेंजर ट्रेन आबि रहल छल । बिलासपुर के कलेक्टर एहि सँ पूर्व एहि दुर्घटना मे चारि गोटे के मृत्यु हेबाक पुष्टि केने छलाह। आब संख्या बढ़ि कए छह भ’ गेल अछि। आओर कतेको गोटे के फंसला के आशंका अछि। दू दर्जन लोक घायल भेल अछि। मृतक मे महिला आ बच्चा सब शामिल अछि।


