बिहार केँ जमीन मालिकक लेल पैघ खबरि , भविष्य केँ फायदा हेतु आधार आ मोबाइल नंबर सँ जमाबंदी केँ लिंक करबा ली !
पटना: बिहार मे नीतीश सरकार सब रैयतदार सँ कहलनि अछि जे ओ अपन जमाबंदी केँ आधार आ मोबाइल नंबर सँ जोड़ैथ । एहि तरहेँ भविष्य मे कोनो तरहक समस्या सँ बचल जा सकैत अछि । राजस्व आ भूमि सुधार विभाग निर्देश जारी केलक अछि। जारी निर्देश मे कहल गेल अछि जे सब रैयतदार स्वेच्छा सँ जमाबंदी केँ मोबाइल नंबर आ आधार नंबर सँ जोड़बाक चाही।
की अछि राजस्व विभाग केँ निर्देश ?
राजस्व आ भूमि सुधार विभाग सब रैयतदार सँ अपन आधार आ मोबाइल नंबर रजिस्ट्रेशन करबाक अपील केलक अछि। एहि केँ कारण अछि जे कि जमाबंदी स॑ जुड़ल अनेकों ऑनलाइन सेवा प्रारम्भ होमय जा रहल अछि । एहि सेवा मे दाखिल-खारिज, एलपीसी, भू-लगान, राजस्व न्यायालय मे चलि रहल मामला केँ जानकारी आ एसएमएस अलर्ट जेहन सुविधा सम्मलित अछि।