spot_img
Thursday, March 19, 2026
spot_img
Homeटटका खबरिबिहार केँ पूर्व उपमुख्यमंत्री सुशील कुमार मोदी केँ निधन भाजपा को बिहार...

बिहार केँ पूर्व उपमुख्यमंत्री सुशील कुमार मोदी केँ निधन भाजपा को बिहार की सत्ता तक पहुंचाया

-

बिहार केँ पूर्व उपमुख्यमंत्री आ भाजपा केँ वरिष्ठ नेता सुशील कुमार मोदी (72) केँ सोमदिन 13 मई 2024 क’ दिल्ली केँ अखिल भारतीय चिकित्सा विज्ञान संस्थान (एम्स) मे कैंसर सँ निधन भ’ गेलनि।

राजनीतिक यात्रा
सुशील मोदी केँ राजनीतिक कैरियर यात्राक प्रारम्भ 1973 मे भेल छल जखन ओ पटना विश्वविद्यालय छात्र संघ केँ महासचिव बनलाह। खास बात ई जे ओहि समय मे हुनकर अध्यक्ष लालू प्रसाद यादव छलाह।
बिहार भाजपाक दिग्गज नेता मे सँ एक मोदी राज्य मे पार्टी क’ सत्ता मे अनबा लेल अथक प्रयास केलथि। जदयू प्रमुख आ मुख्यमंत्री नीतीश कुमार सँ घनिष्ठ संबंध छलनि आ उपमुख्यमंत्री आ वित्त मंत्री क’ रूप मे हुनका संग लंबा समय तक काज केलथि। बिहार क’ वित्त मंत्री क’ रूप मे सुशील मोदी जीएसटी परिषद मे राज्य सशक्त समितिक प्रमुखक भूमिका सेहो प्रभावी ढंग सँ निभेलथि। सुशील मोदी, लालू प्रसाद आ नीतीश कुमार क’ तिकड़ी बिहारक राजनीति मे सदिखन महत्वपूर्ण रहल अछि। तीनू गोटे आपातकाल मे जेपी आन्दोलन सँ राजनीति आओर सक्रियता सँ बढ़ला ।

पूर्व उपमुख्यमंत्री सुशील मोदी केँ पार्थिव शरीर आई पटना पहुंचत, भाजपा (बिहार) केँ सब कार्यक्रम रद्द
स्व. सुशील मोदी पिछला मास केँ 3 तारीख क’ ओ कैंसर केँ बारे मे जानकारी देलाक बाद सक्रिय राजनीति सँ सेवानिवृत्ति केँ घोषणा केलनि। 72 वर्षीय सुशील मोदी गला केँ कैंसर सँ पीड़ित छलाह। अखिल भारतीय चिकित्सा विज्ञान संस्थान (एम्स), दिल्ली मे इलाज चलि रहल छलनि । पिछला चारि दिन सँ एम्स मे भर्ती छलाह। हुनक निधन केँ खबरि सँ बिहार संग सम्पूर्ण देश केँ राजनीतिक परिवार मे भी शोकक लहरि व्याप्त भ’ गेल । भाजपा आइ बिहार मे होबय वाला सभ कार्यक्रम रद्द क’ देलक। सुशील मोदी केँ निधन पर राष्ट्रपति द्रौपदी मुर्मू, पीएम नरेंद्र मोदी, सीएम नीतीश कुमार, यूपी सीएम योगी आदित्यनाथ, सांसद सीएम डॉ. मोहन यादव, राजद सुप्रीमो लालू प्रसाद यादव सहित देश केँ सभी वरिष्ठ नेता सभहक द्वारा संवेदना व्यक्त कयल गेल अछि ।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts