spot_img
Friday, August 22, 2025
spot_img
Homeटटका खबरिबिहार केँ रोजगारोन्मुखी बनेबाक लेल मिथिला केँ सांस्कृतिक राजधानी दरभंगा मे वित्तमंत्री...

बिहार केँ रोजगारोन्मुखी बनेबाक लेल मिथिला केँ सांस्कृतिक राजधानी दरभंगा मे वित्तमंत्री – सीतारमण

-

लहरि न्यूज़ (दरभंगा) : केंद्रीय वित्त मंत्री निर्मला सीतारमण आइ दरभंगा मे आयोजित क्रेडिट आउटरीच कार्यक्रम मे विभिन्न सरकारी योजना केँ 49 हजार सँ बेसी लाभार्थी केँ कुल लगभग 1388 करोड़ टका केँ ऋण वितरित केलनि । कार्यक्रम मे केंद्रीय मंत्री चिराग पासवान ,सांसद सह लोकसभा मे भाजपा केँ सचेतक डॉ गोपाल जी ठाकुर, समस्तीपुर सांसद शाम्भवी चौधरी, उपमुख्यमंत्री सम्राट चौधरी, राज्यसभा केँ सांसद संजय कुमार झा संग एनडीए परिवार केँ वरिष्ठ नेता सब भाग लेलनि आ मिथिला संस्कृति सम्मान पाग,साल आओर मिथिला पेंटिंग प्रतिक चिन्ह स्वरुप द’ परंपरा केँ अनुसार वित्त मंत्री के स्वागत कयल गेल । वित्त मंत्री सीतारमण कहलनि जे जँ युवा लोकनि केँ बैंक सँ सहज ऋण भेटत त मिथिला मे स्वरोजगार केँ बढ़ावा भेटत आ पैघ पैमाना पर नव रोजगारक अवसर सेहो उत्पन्न होयत।

केंद्रीय वित्त मंत्री सीतारमण द्वी दिवसीय यात्रा पर आई मिथिला केँ ह्रदय सांस्कृतिक राजधानी दरभंगा आयल छथि। आई मिथिला हाट मे हुनक रात्रि विश्राम छनि। काइल वित्तमंत्री झंझारपुर केँ ललित कर्पूरी स्टेडियम मे आयोजित कार्यक्रम मे उपस्थित हेती। ओहि ठाम सँ 1021 करोड़ टाका केँ रोजनान्मुखी ऋण लाभार्थी केँ बीच वितरण करती।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts