पटना: बिहार मे मानसून कमजोर भ’ गेल अछि, जाहि कारण अगिला किछु दिन तक बरखाक कोनो संभावना नहि अछि। मौसम विभाग केँ कहनाय छनि जे एहि साल राज्य मे 26 प्रतिशत कम बरखा भेल अछि। 24 सितंबरकेँ बाद उत्तर बिहार मे एक बेर फेर बरखा देखबा मे आबि सकैत अछि। मौसम विभाग केँ अनुसार जे सिस्टम पहिने बिहार मे बरसात क’ रहल छल, आब पूर्वोत्तर मध्य प्रदेश दिस बढ़ि गेल अछि। एकर कारण वर्तमान मे बिहार मे कोनो मौसमी व्यवस्था सक्रिय नहि अछि। ओना हवा मे नमी रहत, मुदा घनगर मेघ बनेबा लेल पर्याप्त नहि होयत। अतः राज्य केँ सब जिला मे अगिला पांच दिन तक बरखा केँ संभावना बहुत कम अछि। बरखा नहि हेबाक कारणे दिन मे तेज रौद आ गर्मी रहत। मुदा भोर आ साँझ मे कनेक राहत भेटत।
बरखा परायल, फेर सँ झेलु गुमसराइन गर्मी !
Trending Now
