मुजफ्फरपुर (बिहार ):
मीडिया सूत्र केँ अनुसार हिन्दू केँ संबंध मे अपन विवादित बयान केँ कारण लोकसभा मे विपक्ष केँ नेता राहुल गांधी कानूनी परेशानी मे परी गेला अछि । राहुल गांधी कहने छलाह जे हिन्दू हिंसा पसारैत अछि । एहि सँ आहत गिरिराज सिंह फैंस क्लब केँ संरक्षक देवांशु किशोर मुजफ्फरपुर केँ सीजेएम कोर्ट मे राहुल गांधी केँ खिलाफ शिकायत दर्ज करौलनि अछि। दायर शिकायत मे देवांशु किशोर आरोप लगौने छथि जे लोकसभा मे सांसद आ विपक्षक नेता राहुल गांधी जे अपना केँ हिन्दू कहैत छथि, हिन्दू क’ आहत करबा लेल जानबूझि क’ इ बयान देलनि अछि।
राहुल गांधी केँ खिलाफ दायर शिकायत
देवंशु किशोर कहलनि जे राहुल गांधी केँ पता छनि जे भारत सहित कतेको देश केँ लोक हुनकर बात सुनैत छथि आ अधिकांश लोक सेहो एहि बात पर विश्वास करैत छथि। तइयो ओ ई कथन हिन्दू केँ प्रतिष्ठा केँ बदनाम करय लेल, हिन्दू केँ धार्मिक मान्यता आ धार्मिक भावना केँ आहत आ अपमान करय लेल देने छथि। तेँ हुनका पर शिकायत दर्ज कराओल गेल अछि ।