spot_img
Sunday, February 1, 2026
spot_img
Homeटटका खबरिबिहार मे 'वंदे भारत' पर पथराव , टूटल ट्रेनक खिड़की केँ शीशा

बिहार मे ‘वंदे भारत’ पर पथराव , टूटल ट्रेनक खिड़की केँ शीशा

-

पटना : बिहार मे वंदे भारत ट्रेन पर पाथर चलाबय केँ खबरि केँ सूचना आबि रहल अछि. जमशेदपुर सँ पटना जाय वाला वंदे भारत ट्रेन केँ ट्रायल केँ क्रम मे गया जिला मे पत्थरबाजी कयल गेल । जानकारी केँ अनुसार प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी 15 सितंबर क’ एहि ट्रेन केँ परिचालन हेतु उद्घाटन करताह। पाथर चलाबय केँ घटना मे ट्रेन केँ कोच के खिड़की केँ शीशा टूटि गेल। घटना बंधुआ-टंकुप्पा स्टेशन केँ बीच भेल अछि।

रेलवे अधिकारी कहलनि जे, ई घटना मंगलदिन देर साँझ भेल अछि। अधिकारी कहलनि जे ओ टाटा सँ गोमो (नेताजी सुभाष चंद्र बोस जंक्शन) होइत गया दिस आबि रहल छला । एम्हर किछु शरारती तत्व द्वारा बंधुआ – टंकुप्पा स्टेशन केँ बीच किमी नंबर 455 केँ नजदीक ट्रेन पर पत्थरबाजी कयल गेल , जाहि केँ कारण इंजन सँ सटल दोसर कोच केँ सीट नंबर 4 केँ खिड़की केँ शीशा टूटि गेल।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts