spot_img
Monday, February 2, 2026
spot_img
Homeटटका खबरिबिहार राज्य पिछड़ल सँ विशेष नहि होयत !

बिहार राज्य पिछड़ल सँ विशेष नहि होयत !

-

की बिहार केँ विशेष दर्जा केँ मांग भेल खारिज भेल ? कियेक लालू यादव नीतीश माँगलनि इस्तीफा ?

पटना : ANI कें सूत्र सँ खबरि आबि रहल अछि जे -जनता दल (यू) केँ बिहारक विशेष दर्जा देबय केँ मांग केँ केंद्र द्वारा खारिज करला केँ बाद राष्ट्रीय जनता दल केँ अध्यक्ष लालू प्रसाद सोमदिन कहलनि जे मुख्यमंत्री नीतीश कुमार केँ इस्तीफा द’ देबाक चाही। जदयू बहुत दिन सँ बिहार केँ विशेष दर्जाक मांग करि रहल अछि, मुदा केंद्र सरकार सोमदिन संसद मे कहलक जे बिहार क’विशेष दर्जा देबाक कोनो मामला अखन नहि बनैत अछि । एहि संबंध मे पूछल गेल प्रश्न केँ जवाब दैत बिहारक पूर्व मुख्यमंत्री लालू प्रसाद जदयू प्रमुख नीतीश कुमार केँ आलोचना करैत कहला जे एहन बुझाइत अछि जे नीतीश कुमार सत्ताक लेल बिहारक आकांक्षा आ ओकर लोकक आस्था सँ समझौता क’ लेने अछि।

लालू प्रसाद यादव कहला जे नीतीश बिहार केँ विशेष दर्जा देबाक वादा केने छलाह, मुदा आब जखन केंद्र एहि लेल मना क’ देलक अछि त’ हुनका इस्तीफा देबाक चाही। 2012 मे तैयार अंतर-मंत्रालयी समूह क’ रिपोर्ट क’ हवाला दैत केंद्र सरकार सोमदिन कहलक जे बिहार क’ विशेष दर्जा देबाक कोनो मामला नहि
अछि। केंद्र के ई रुख भाजपा केँ सहयोगी दल द्वारा पिछड़ल राज्य केँ विशेष दर्जा केँ मांग रखलाक केँ एक दिन बाद आयल अछि।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts