सबके अपन अपन डपली अपन अपन राग : परिणाम 14 नवंबर क’

लहरि रूम (पटना) : बिहार विधानसभा चुनाव 2025 के पहिल चरण के मतदान 20 वर्षक मतदान के रिकॉर्ड मतदान के तोड़ी देलक। महिला आओर युवा सबके प्रथम चरण के मतदान मे योगदान उत्कृष्ट रहल। पटना मे पत्रकार सम्मेलन क’ संबोधित करैत मुख्य निर्वाचन अधिकारी विनोद सिंह गुंजियाल कहला जे पहिल चरण क’ मतदान सफलतापूर्वक समाप्त भेल। ओ कहला जे 45,341 मतदान केंद्र मे सँ 41,943 मतदान केंद्रक आंकड़ा अपडेट कैल गेल अछि, जे 64.46% मतदाता के मतदानक संकेत दैत अछि। एहि चरण मे कुल 3.75 करोड़ मतदाता भाग लेलथि, जाहि मे 1.98 करोड़ पुरुष आ 1.76 करोड़ महिला शामिल छथि। सीईओ महिला सभहक पैघ मतदान के सकारात्मक संकेत बतेलथि। गुंजियाल इहो बतौलनि जे मतदान के दौरान 143 शिकायत आयल छल, जेकर तुरंत निपटारा भ गेल। सीईओ ब्रह्मपुर (बक्सर), फतुहा, आरू सूर्यगढ़ा (लखीसराय) सहित किछु मतदान केंद्र पर मतदाता के बहिष्कार के खबरि के स्वीकार कयलनि आओर कहलनि जे अहि शिकायत पर सेहो उचित समाधान कयल गेल ।

ऑपरेशन जखीरा के तहत नगद आ 8 अवैध हथियार जब्त …
मतदान सँ पूर्व आ मतदान के क्रम मे पटना पुलिस ‘ऑपरेशन जखीरा’ के तहत पैघ ऑपरेशन केलक। पिछला 24 घंटा मे पश्चिम पटना पुलिस दानापुर, बिहता, आ रूपसपुर थाना क्षेत्र मे छापामारी क’ चारिटा आरोपी केर गिरफ्तार केलक अछि। पुलिस एहि आरोपी सब सँ ₹25,75,200 नकद, आठ अवैध हथियार (कट्टा, पिस्तौल, राइफल, डबल बैरल बंदूक) आ 33 जीवित कारतूस बरामद केलक अछि, जेकर उद्देश्य चुनाव के प्रभावित करबाक छल। एहि अभियान मे पटना पुलिस आ स्पेशल टास्क फोर्स (एसटीएफ) क संयुक्त टीम क अहम भूमिका रहल। ललित मोहन राय के बिहटा के कन्हौली गाम सँ गिरफ्तार कयल गेल, आ हुनकर घर सँ ₹10 लाख नगद, हथियार, आ शराब बरामद भेल। तहिना मनोज कुमार रजक के रूपसपुर सँ ₹8.50 लाख नगद आ शराब के संग गिरफ्तार कयल गेल, जखन कि इंद्रजीत सिंह के भगवतीपुर सँ ₹7.25 लाख नगद के संग गिरफ्तार कयल गेल।


