लहरि रूम : बिहार केँ उपमुख्यमंत्री विजय कुमार सिन्हा बिहार मे अपराधी पर नियंत्रण के संबंध मे एकटा पैघ बयान देलखिन्ह। अपराधी केँ सख्त सलाह दैत सरकार अपन मंत्वय साफ क’ देलनि। डिप्टी सीएम अपराधी क’ दूटा विकल्प सेहो देलथि अछि जाहि मे या त’ ओ सुधरि जाइथ या फेर ओकरा दोसर दुनिया मे पठेबाक चेतावनी देल गेल अछि। ओ मुख्यमंत्री नीतीश कुमार क’ संदेशक मतलब बतेलथि अछि आ नीतीश कुमारक पहिल कार्यकाल जेकां अपराध नियंत्रण रणनीति पर आगू काज करबाक गप केलथि अछि।
Trending Now
