पटना : मीडिया सूत्र सँ खबरि आबि रहल अछि जे , बिहार मे 17 दिन मे 12टा पुल ढहबाक घटना केँ बाद राज्य सरकार पैघ कार्रवाई करि क’ 11टा इंजीनियर केँ निलंबित क’ देलक अछि। एकर अलावा पुलक पुनर्निर्माण केँ आदेश सेहो देल गेल अछि। हालांकि राज्य जल संसाधन विभाग केँ अपर मुख्य सचिव चैतन्य प्रसाद कहला जे 9टा पुल कए क्षतिग्रस्त हेबाक सूचना भेटल अछि। जाहि मे स 9टा बहुत पुरान आ तीनटा निर्माणाधीन अछि।
ओ कहलनि जे, पुल खसबाक मामला मे फ्लाइंग स्क्वाड टीम अपन रिपोर्ट जमा केलक अछि। जाहि मे इंजीनियर आ ठेकेदार केँ लापरवाही सामने आबि गेल अछि। गाद हटाबैत ठेकेदार पुलक खंभा आ बुनियादी ढांचा केँ देखभाल नहि केलनि अछि । जखन कि इंजीनियर सब पुल केँ नियमित रखरखाव मे लापरवाही करैत छलाह। एहि लेल एहि मामला मे 11टा इंजीनियर केँ निलंबित क’ देल गेल अछि। संगहि जतय जतय पुल खसि पड़ल अछि पुल केँ लागत ठेकेदार सँ वसूली कैल जाएत।