नई दिल्ली : मीडिया सूत्र सँ खबरि आबि रहल अछि जे , बैद्यनाथधाम आ काशी विश्वनाथ केँ भक्त लोकनिक लेल एकटा नीक खबर सामने आयल अछि। एहि रूट पर जल्दिये वंदे भारत ट्रेनक परिचालन शुरू भ’ जायत। सांसद निशिकांत दुबे एहि संबंध मे जानकारी साझा केलथि अछि। सूत्र केँ अनुसार सांसद जी कहलनि अछि जे श्रावण मास मे बैद्यनाथधाम(देवघर – झारखण्ड ) -काशी विश्वनाथ (बनारस -उत्तरप्रदेश) वंदे भारत ट्रेन कखनो प्रारम्भ भ’ सकैत अछि। एहि सँ भक्त केँ तीर्थ यात्रा करबा मे बहुत सुविधा होयत।
बैद्यनाथधाम आ काशी विश्वनाथ केँ यात्रा करबाक हेतु शीघ्र प्रारम्भ होयत वन्दे भारत ट्रेन : निशिकांत दुबे !
-

