spot_img
Friday, August 22, 2025
spot_img
Homeब्लॉगभसिया गेला अछि 'डोनाल्ड ट्रम्प'- पगला सुलतान जका ल' रहला अछि निर्णय...

भसिया गेला अछि ‘डोनाल्ड ट्रम्प’- पगला सुलतान जका ल’ रहला अछि निर्णय !

-

लहरि रूम ( रांची ) : राष्ट्रपति डोनाल्ड ट्रंप अपन दोसर कार्यकाल के लगभग पांच महीना बाद अजीबो गरीब हरकत कें चलते लगातार चर्चा मे बनल छथि । ओ एकटा नव यात्रा प्रतिबंध पर हस्ताक्षर केलथि जाहि मे 12 देश सँ अमेरिका मे प्रवेश पर रोक लगा देल गेल अछि आ सातटा अन्य देश पर वीजा सीमा नव यात्रा प्रतिबंध पर लगाउल गेल अछि । 12 देशमे अधिकांश मुस्लिम देश अछि । एहन स्थिति मे इस्लामी देश क’ ओतय एबा पर पूर्ण रोक लगा देल जाएत। प्रतिबंधित सूची मे शामिल देश मे ईरान, अफगानिस्तान, यमन, सोमालिया सन देश शामिल अछि। एकर अलावा म्यांमार जेहन किछु गैर-इस्लामी देश सेहो अहि सूचि मे सम्मलित अछि । मुदा इ सूची जारी करला के बाद स्वयं अमेरिका मे चर्चा प्रारम्भ भेल जे पाकिस्तान के नाम एकरा मे कियैक नहि राखल गेल अछि । अमेरिका द्वारा कहल गेल जे स्क्रीनिंग आ वेटिंग जे अमेरिका आबय लेल जरूरी अछि। इ देश के नागरिक लेल ई संभव नै छै, कियेक जे ओहि ठाम एहन सरकार अछि जे अमेरिका केँ लेल अनुकूल नहि अछि ओहि ठाम गृह युद्ध जेहन स्थिति छैक । यमन, सूडान, लीबिया, म्यांमार मे गृहयुद्ध जेहन स्थिति छैक । ईरान मे आतंकवाद कें बढ़ावा दै वाला सरकार मानल जा रहल छैक । अफगानिस्तान के तालिबान सरकार के बारे मे अमेरिका अहिना राय अछि। मुदा पाकिस्तान, जतय सँ दुनिया केँ सबसँ पैघ आतंकी, अमेरिका केर सबसँ पैघ दुश्मन ओसामा बिन लादेन पकड़ल गेल छेल, ओ ई सूची मे कियैक नहि अछि । पाकिस्तान आतंकवाद के निर्यातक देश अछि। एखनहु दुनिया के बड़का आतंकी सँ पाकिस्तान मे बास करैत छथि। मुदा तइयो एकरा यात्रा प्रतिबंधक सूची मे नहि राखल गेल अछि।

पाकिस्तान आतंकवाद के खिलाफ संयुक्त राष्ट्र अभियान के नेतृत्व करत….

‘बानर के हाथ मे उस्तरा’ कहावत अहाँ सुनने होयब। जेकर मतलब छै कि कोनो शक्तिशाली हथियार या शक्ति मूर्ख व्यक्ति के हाथ मे आबि जेनाइ । पाकिस्तान केँ संयुक्त राष्ट्र मे आतंकवाद विरोधी समिति केर उपाध्यक्ष बनाओल गेल अछि । इ कार्य भेला सँ संयुक्त राष्ट्र द्वारा शाहबाज शरीफ के हाथ मे उस्तरा द’ देल गेल अछि । अपने सबके जानि क’ आश्चर्य होयत जे आतंकवाद कें बढ़ावा देबाक मे कुख्यात पाकिस्तान आब संयुक्त राष्ट्र केर 193 देश के सुझावदाता बनत आओर विचार करत जे आतंकवाद कें विरुद्ध की कदम उठाबै के चाही । कोन आतंकी संगठन के संपत्ति कें फ्रीज कयल जाय । पाकिस्तान कें संयुक्त राष्ट्र सुरक्षा परिषद केर तालिबान प्रतिबंध समिति केर उपाध्यक्ष नियुक्त करल गेल अछि । यानी जाहि देश मे हाफिज सईद, मसूद अजहर, जकीर रहमान लखवी, अब्दुल रहमान मक्की आरू दाऊद जेहन आतंकी स्वतंत्र रूप सँ घूमी रहल छथि ,ओ देश आब संयुक्त राष्ट्र जका कोनो आतंकी हमला कें खण्डन आ निंदा सेहो करत । इ दोसर बात छैक जे इ सब देखला के बाद दुनिया के लोग संयुक्त राष्ट्र के कतेक गंभीरता सँ लेता , अहि बातक प्रस्तुति कें कोनो जरूरी नहि बुझना जा रहल अछि ।


Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts