spot_img
Friday, August 22, 2025
spot_img
Homeटटका खबरिभागलपुर मे डोलल धरती : भूकंप (सम्भवतः श्रीकृष्ण केँ जन्म भेलाक बाद...

भागलपुर मे डोलल धरती : भूकंप (सम्भवतः श्रीकृष्ण केँ जन्म भेलाक बाद एहि काल माँ योगमाया केँ मारबाक प्रयत्न राजा कंस केने हेताह )

-

भागलपुर (बिहार ) : सोमदिन राति मे लोक भोजन केलाक बाद सुति रहल छला। जन्माष्टमी केँ लेल जतय बहुत लोक जागल छलाह आओर बहुत लोक मंदिर मे छलाह जखन भूकंप आयल छल। भागलपुर मे घर मे सुतल अधिकांश लोक केँ भूकंप केँ कंपन केँ अहसास नहि भेल। मुदा श्री कृष्ण जन्माष्टमी मनबै वाला भक्त केँ हल्का धरतीक स्पंदन केँ आभास भेलनि । भूकंप केँ कंपन आभास करबाक बाद जागल लोक सब सोशल मीडिया पर एहि बारे मे जानकारी देबय लगलाह। अध्यात्म सँ जुड़ल लोक सब कहला जे जगत केँ पालन हार जखन पृथ्वी पर अयला अछि माता पृथ्वी सेहो उत्सव मना रहली अछि आओर किछु लोग कहला जे सम्भवतः श्रीकृष्ण केँ जन्म भेलाक बाद एहि काल माँ योगमाया केँ मारबाक प्रयत्न राजा कंस केने हेताह ताहि कारण सँ पृथ्वी डोलल अछि !

भूकम्पक केन्द्र कतय छल ?
सोमदिन राति करीब 12:50 बजे बिहार केँ भागलपुर मे भूकंप केँ झटकाक आभास भेल। ओना रामगढ़ भागलपुर सँ 200 वर्ग किलोमीटर क्षेत्र मे पड़य वाला संथाल परगना के केंद्र बिंदु छल. एहि भूकम्पक तीव्रता रिक्टर पैमाना पर 4.5 छल ।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts