लहरि रूम (पटना) : बंगाल मे एसआईआर (SIR) जारी अछि। एम्हर उत्तर 24 परगना जिला के स्वरूपनगर के समीप हाकीमपुर नाका पर एकटा अलग दृश्य देखल जा रहल अछि। एतय भीड़ जमा भ’ गेल अछि। ई भीड़ भारत आयल अवैध बांग्लादेशी नागरिक के अछि । सीमा सुरक्षा बल (बीएसएफ) द्वारा अहि बॉर्डर पर 500 सँ बेसी बांग्लादेशी नागरिक – पुरुष, महिला आओर बच्चा – केँ रोकि देल गेल अछि । मतदाता सूची केर जारी SIR जांच सँ इ परिणाम देखबा आबि रहल अछि जाहि मे सीमाक नजदीक रहय वला लोग सब अपन घर वापसी के कोशिश क’ रहला अछि।

बीएसएफ केर 143 बटालियन केर जवान सब भारतीय सीमा सँ सटल एकटा नदी केर कातक क्षेत्र पर नजरि बना क’ रखने छथि। जाहि ठाम सँ 500 सँ बेसी अहि पैघ समूह के हिरासत मे लेल गेल अछि।


