कोलकात्ता/ भारतीय जनता पार्टी के सभा में अल्ला-हू-अकबर के नारा लागल। जानकारी के अनुसार, पश्चिम बंगाल के कुच बिहार में भाजपा उम्मीदवार निशिथ प्रमाणिक के समर्थन में कैल गेल एकटा रैली में कुछ मुस्लिम समुदाय के कार्यकर्तागण हल्लाहू अकबर के नारा लगैलनि। एहि बात के ल’ क’ बहस प्रारंभ भ’ गेल अछि। जत भाजपा अपना तरफ सं कहि रहल अछि कि हमरा संगे अब मुसलमान कार्यकर्ता सहे जुड़ि रहल अछि, ओतइ दोसर दिस प्रतिपक्षी सब के कहब छैंन कि भाजपा अपना समर्थक के बड़गला रहल अछि।
पश्चिम बंगाल में 42 टा लोकसभा के सीट अछि। एत सभ टा सीट पर भाजपा आ टीएमसी के बीच भयंकर जोरआजमाइश चलि रहल अछि। दुन्नू दल अपन-अपन दाव आ प्रति दाव चलि रहल अछि।
ओना एत कांग्रेस आ मार्कवादी कम्युनिस्ट पार्टी सहो अपन-अपन ढंग सं लोकतांत्रिक युद्ध में शामिल अछि। सभ टा सीट पर खूब-खूब संघर्षक स्थिति अछि।
एहि विषय पर कुच बिहारक भाजपा अध्यक्ष आ विधायक सुकुमार राॅय बजलनि, रैली दू टा विधानसभा क्षेत्रक मुसलमान मतदाता के छल। ओहि रैली में भाजपा समर्थक किछ मुस्लिम कार्यकर्ता अपन सनक नारा लगौला। एहि म कोनो विवादक सवाल कत‘ स‘ आवि गेल।
राॅय एहो बजला कि अब महौल बदलि रहल अछि। मुसलमान भाई के लेल भाजपा अब कोनो दूर नहिं। हमरा संगे संपूर्ण समाजक लोग जुटि रहल अछि। ई‘ पैघ गप्प अछि। आन दलक लोग मुसलमान के बड़गलावैत छल। हम सब ओ नहिं कलौं। उनका जे संवैधानिक अधिकार अछि ओ उनका प्राप्त भ‘ रहल अछि।