आठ साल सँ GST भाजपा की सुतल छल ? -जयराम रमेश (कांग्रेस नेता) !
लहरि रूम (रांची ) : कांग्रेस सांसद जयराम रमेश जीएसटी के नव दर लागू करय पर अपन वक्तव्य दैत कहला जे एहि दर मे कटौती सँ उपभोक्ता के कतेक फायदा होयत आ ग्राहक के ई एकटा पैघ प्रश्न अछि …त’ ई कोनो पूर्ण जीएसटी सुधार नहिं अछि, ई दोसर अवतार नहिं बल्कि डेढ़ अवतार अछि। भाजपा के जतेक लोक सब छथि ओ सब सब काज के उत्सव के रूप दैत छथि। वर्तमान समय मे हमरा सब लग ट्रम्प द्वारा लगाओल गेल टैरिफ आओर अमेरिका मे भारतीय के वीजा समाप्त होयबाक मुद्दा बेसी महत्वपूर्ण अछि। अहि मुद्दा सँ दोसर तरफ ध्यान भटकेबाक काज मोदी क’ रहला अछि। रहल GST मे सुधारक बात इ काज मोदी सरकार के 8 वर्ष पूर्व करबाक चाहि छल की 8 वर्ष सँ इ सरकार सुतल छल।

भाजपा आइ सँ 29 सितंबर तक देशव्यापी ‘राष्ट्रव्यापी ‘जीएसटी सेविंग्स फेस्टिवल’ अभियान चलाओत !
भारतीय जनता पार्टी आइ 22 सितम्बर सँ 29 सितंबर तक देश भरि मे ‘जीएसटी बचत महोत्सव’ नामक विशेष अभियान शुरू क’ रहल अछि। एहि पहल कें तहत पार्टी सब सांसद कें अपन-अपन संसदीय क्षेत्र मे पैदल मार्च क’ आयोजन करबाक निर्देश देलक अछि। इ कार्यक्रमक कें उद्देश्य स्थानीय बाजारक मे व्यापारी, दुकानदार, आ आम जनता सँ सीधा बातचीत करनाय आ इ जानकारी देनाइ छनि जे जीएसटी अर्थव्यवस्था मे बचत आ पारदर्शिता कें कोना बढ़ावा देलक अछि। भाजपा के कहनाय छनि जे एहि सप्ताह भरि चलय वाला इ अभियान देश भरि मे होएत जाहि मे पार्टी के कार्यकर्ता आओर नेता के व्यापक भागीदारी होएत। पाबनिक सबके एला सँ ठीक पहिने प्रारम्भ होमय वला इ अभियान जमीनी स्तर पर जनता सँ जोड़बाक आओर आर्थिक संदेश के प्रचार प्रसार करबाक पार्टी केर प्रयास के प्रस्तुत क’ रहल अछि ।


