spot_img
Friday, August 22, 2025
spot_img
Homeटटका खबरिभाजपा कहलक जे ममता के बहिर्गमन पूर्व नियोजित छल

भाजपा कहलक जे ममता के बहिर्गमन पूर्व नियोजित छल

-

नई दिल्ली/ भारतीय जनता पार्टी (भाजपा) पश्चिम बंगालक मुख्यमंत्री ममता बनर्जीक नीति आयोगक बैसारसँ बहिर्गमनकेँ पूर्वनियोजित बतओलक। भाजपा कहलक, हुनकर इरादा सुर्खियां बटोरै वाला अछि।

भाजपा महासचिव (संगठन) बीएल संतोष कहलखिन, अपना देश मे सुर्खियां बटोरबा बड्ड आसान अछि। पहिने ई खबरि आयल जे नीति आयोगक बैसारमे भाग लेबयवला हम (ममता) एकमात्र विपक्षी मुख्यमंत्री छी। तखन ओ बाहर आबि कहलखिन, माइक बंद हेबाक कारणेँ हम बैसारक बहिष्कार कयलहुँ। आब इ पूरा दिन टीवी पर देखाओल जाएत। कोनो काज नहि। कोनो चर्चा नहि। ई अहांक बहिन छी।

बनर्जी प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदीक अध्यक्षतामे भेल बैसारसँ बहिर्गमन करैत कहलनि जे विपक्षक एकमात्र प्रतिनिधि होयबाक बादो हुनका अपन भाषणक बीचमे रोकि देल गेलनि। मुदा, सरकार हुनकर दावाकेँ खारिज कऽ देलक आ कहलक जे हुनकर समय खतम भऽ गेल अछि।

भाजपाक सूचना प्रौद्योगिकी विभागक प्रमुख अमित मालवीय आरोप लगओलनि जे बनर्जीक बैसारसँ बहिर्गमन पूर्वनियोजित छल। ष्ई देखि दुख होइत अछि जे एकटा मुख्यमंत्री शासनक गम्भीर मुद्दाकेँ नाटकीयकरणमे बदलि रहल छथि। पश्चिम बङ्गालक जनता हुनक टकरावक राजनीतिक परिणामक सामना कऽ रहल अछि। ”

मालवीय बैसारसँ पहिने एकटा पत्रकारक टिप्पणी सेहो पोस्ट कयलनि, जाहिमे ओ कहलनि जे मानल जाइत अछि जे विपक्षी खेमासँ ममता आ हेमंत सोरेन सन मुख्यमंत्री बैसारसँ बहिर्गमन कऽ सकैत छथि।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts