spot_img
Thursday, March 19, 2026
spot_img
Homeटटका खबरिभाजपा केँ पहिल सूची मे 30 सँ 35 उम्मीदवार केँ घोषणा संभव...

भाजपा केँ पहिल सूची मे 30 सँ 35 उम्मीदवार केँ घोषणा संभव !

-

रांची : झारखंड विधानसभा चुनाव 2024 हेतु भारतीय जनता पार्टी आओर घटक दल (NDA) केँ प्रत्याशी लोकनिक प्रथम सूची अंतिम रूप सम्भवतः द’ देल अछि। प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी, केंद्रीय मंत्री अमित शाह आ भाजपा केँ राष्ट्रीय अध्यक्ष जेपी नड्डा सहित अन्य वरिष्ठ नेता सब केन्द्रीय चुनाव समिति केँ बैसार मे सम्मलित भेलाह जाहि मे प्रत्याशी लोकनिक नाम पर चर्चा भेल। एहि बैसार मे भाजपा केँ झारखंड चुनाव प्रभारी शिवराज सिंह चौहान, सह निर्वाचन प्रभारी हिमंत विश्वास आओर प्रदेश अध्यक्ष बाबूलाल मरांडी सेहो उपस्थित छलाह।

दिल्ली मे भाजपा केंद्रीय चुनाव समिति क’ बैसार मे भाग लेला क बाद बुधदिन बाबूलाल मरांडी, अमर कुमार बाउरी , चंपाई सोरेन सहित अन्य नेता रांची अयला । रांची वापसी केँ बाद पार्टी केँ नेता सब कहलनि जे, जल्दिये भाजपा-जदयू आ अजसू पार्टी गठबंधन केँ बीच सीट बंटवारा आ प्रत्याशी केँ नामक घोषणा भ’ जायत।

भाजपा केँ पहिल सूची मे 30 सँ 35 उम्मीदवार केँ घोषणा संभव !

राजनीतिक विशेषज्ञ केँ कहनाय छनि जे भाजपा केँ पहिल सूची मे 30 सँ 35 उम्मीदवार केँ नामक घोषणा संभव अछि। मीडिया मे जे नाम चर्चा भ’ रहल अछि ओहि मे
कांके विधानसभा सँ नव नाम कमलेश राम
हजारीबाग सँ प्रदीप प्रसाद
डाल्टनगंज सँ आलोक चौरसिया
कोडरमा सँ नीरा यादव
आओर दुमका सँ सुनील सोरेन केँ
नाम पर चर्चा भ’ रहल अछि.

अधिकांश विधायक केँ फेर सँ भेट सकैत छनि टिकट !

बोकारो सँ बिरांची नारायण
बेरमो सँ रविन्द्र पाण्डेय
बगोदर सँ नागेन्द्र महतो
गांडे सँ मुनिया देवी
गिरीडीह सँ निर्भय शाहबादी
निरसा सँ अपर्णा सेनगुप्ता
चंदनकियारी सँ अमर बाउरी
गुमला सँ सुदर्शन भगत
मधुपुर सँ गंगा नारायण सिंह
सारठ सँ रणधीर सिंह
जरमुंडी सँ देवेन्द्र कुंवर
सिसई सँ अरुण उराव
केँ नाम सम्मलित होयबाक चर्चा अछि |

सम्भवना बाबूलाल मरांडी फेर राजधनवार सँ चुनाव लड़ताह !

पूर्व मुख्यमंत्री अर्जुन मुंडा केँ पत्नी मीरा मुंडा पोटका सँ , रामकुमार पहान खिजरी सं, बाबूलाल मरांडी केँ राजधनवर सँ , मनोज यादव केँ बरही सँ , अमित मंडल केँ गोड्डा सँ , अनंत ओझा राजमहल सँ , चम्पाई सोरेन सेराकेला सँ आ राज सिन्हा धनबाद सँ प्रत्याशी बनि चुनाव लड़ी सकैत छथि।

AJSU पार्टी के 9-10 सीट आ जदयू केँ दू सीट भेटत !

दोसर दिस जमशेदपुर पश्चिम सँ जदयू केँ सरयू राय आओर तामार सँ राजा पीटर केँ नाम पर सेहो सहमति बनि गेल अछि। एकर अलावा भाजपा कहलक अछि जे ओ अजसू पार्टी लेल 9 सँ 11 सीट छोड़त। चिराग पासवान केँ पार्टी लोजपा (R) केँ सेहो एकटा सीट पर अपन प्रत्याशी उतारबाक मौका भेट सकैत अछि।

रांची आओर हटिया सीट पर सस्पेंस बनल अछि !

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts