spot_img
Thursday, March 19, 2026
spot_img
Homeटटका खबरिभाजपा केँ वरिष्ठ नेता प्रभात झा केँ निधन : पीएम मोदी, शाह,...

भाजपा केँ वरिष्ठ नेता प्रभात झा केँ निधन : पीएम मोदी, शाह, नड्डा सहित बहुत नेता व्यक्त केलनि दुख

-

नई दिल्ली : प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदी, केंद्रीय मंत्री अमित शाह, जेपी नड्डा सहित भारतीय जनता पार्टी केँ वरिष्ठ नेता शुक्रदिन वरिष्ठ नेता प्रभात झा के निधन पर शोक जतबैत पार्टी संगठन केँ मजबूत करय मे हुनकर योगदान केँ प्रशंसा केलनि। गुरुग्राम केँ अस्पताल मे शुक्रदिन भोर मे राज्यसभा केँ पूर्व सदस्य प्रभात झा के निधन भ’ गेलनि । हुनकर आयु 67 साल छल आ किछु समय सँ बीमार छलाह।

भाजपा अध्यक्ष नड्डा कहलनि जे, झा के संपूर्ण जीवन लोक सेवा आ संगठनक लेल समर्पित छल आ हुनकर निधन भाजपा परिवार केँ लेल अपूरणीय क्षति अछि। ओ कहलनि जे, हम शोक संतप्त परिवार केँ प्रति अपन संवेदना व्यक्त करैत छी, भगवान हुनका सब केँ शक्ति देथिन आ दिवंगत आत्मा केँ अपन पवित्र चरण मे राखथि। स्व. झा 2010 मे पार्टी के मध्य प्रदेश इकाई केँ अध्यक्ष बनलाह.

झा 2008 मे मध्य प्रदेश सँ राज्यसभा सदस्य चुनल गेलाह आ 2020 तक उच्च सदन मे रहलाह। 2015 मे भाजपा केँ राष्ट्रीय उपाध्यक्ष केँ रूप मे सेहो काज केने छलाह। मध्य प्रदेश केँ मुख्यमंत्री मोहन यादव, केंद्रीय कृषि मंत्री शिवराज सिंह चौहान, मध्य प्रदेश भाजपा अध्यक्ष विष्णु दत्त शर्मा आओर कांग्रेस केँ वरिष्ठ नेता केके मिश्रा सहित अन्य नेतागण द्वारा झा केँ निधन पर शोक व्यक्त कयल गेल ।

प्रभात झा मुलतः बिहार केँ मिथिला क्षेत्र केँ दरभंगा जिला केँ हरिहरपुर ग्रामक वासी छला। हिनक जन्म 4 जून 1957 क’ भेलनि। हिनक पत्नी केँ नाम रंजना झा छनि। हिनक दू टा पुत्र संतान रूप छथि। हिनक शिक्षा – दिक्षा ग्वालियर , मध्य प्रदेश सँ भेलनि अछि। राजनीति मे प्रवेश करला सँ पूर्व स्व. पत्रकार छला। प्रभात झा भाजपा केँ मुखपत्र कमल सन्देश केँ संपादक सेहो छला।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts