spot_img
Sunday, February 1, 2026
spot_img
Homeटटका खबरिभाजपा केँ स्टार प्रचारक सबके भ' सकैत अछि, झारखण्ड मे रोड सो...

भाजपा केँ स्टार प्रचारक सबके भ’ सकैत अछि, झारखण्ड मे रोड सो आओर रैली

-

रांची (झारखण्ड) : भाजपा 21 अप्रैल क’ रांची मे झामुमो क’ ‘न्याय उल्गुलान रैली’ क’ जवाब मे सेहो तैयारी प्रारम्भ करि देलक अछि। रांची लोकसभा सीट सँ भाजपा उम्मीदवार संजय सेठ पार्टी केँ शीर्ष नेतृत्व सँ रांची मे प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी, गृहमंत्री अमित शाह आओर कंगना रानौत केँ कार्यक्रम क’ मांग केने छलाह। जाहि केँ स्वीकृति पार्टी केँ शीर्ष नेतृत्व केँ तरफ सँ देल गेल अछि।

जानकारी आबि रहल अछि जे प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी जीक रैली अति शीघ्र रांची मे होयत। संगहि गृहमंत्री अमित शाह क’ रोड शो आ कंगना रनौत केँ रैली लेल मंजूरी सेहो भेट गेल अछि। कहल गेल जे प्रधानमंत्री मोदी क’ रैली केवल प्रभात तारा मैदान मे होएत। ओना प्रधानमंत्री मोदी कहिया आओत एकर तारीख एखन धरि तय नहि भ’ सकल अछि। सूत्रक कहब अछि जे प्रधानमंत्री मोदी क’ रैली क’ तारीख केंद्रीय नेतृत्व तय करत। वर्तमान मे पार्टी रैली केँ तैयारी मे व्यस्त अछि। संभावना अछि जें प्रधामंत्री मोदी जीक रैली खुटी लोकसभा मे सेहो होयत। जाहि ठाम सँ वर्तमान केंद्र सरकार मे मंत्री अर्जुन मुंडा प्रत्याशी छथि।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts