spot_img
Thursday, March 19, 2026
spot_img
Homeटटका खबरिभाजपा के नव राष्ट्रीय अध्यक्ष के चुनाव मे आओर देरी भ' सकैत...

भाजपा के नव राष्ट्रीय अध्यक्ष के चुनाव मे आओर देरी भ’ सकैत अछि !

-

लहरि मीडिया (रांची रूम) : मीडिया सूत्र सँ खबरि आबि रहल अछि जे भाजपा के नव राष्ट्रीय अध्यक्ष के चुनाव जुलाई के अंत या अगस्त के पहिल सप्ताह तक स्थगित भ’ सकैत अछि। किछु पैघ राज्य एखन धरि अपन संगठनात्मक चुनाव पूरा नहि केलक अछि आ पार्टी आ आरएसएस के बीच शीर्ष पद के नाम पर कोनो सहमति नहिं बनि पाओल अछि। भाजपा के संविधान के अनुसार राज्य इकाई के अध्यक्ष चुनय लेल कम सँ कम आधा राज्य के अपन चुनाव प्रक्रिया पूरा होयत तखन अहि पर विचार संभव अछि। वर्तमान मे उत्तर प्रदेश, महाराष्ट्र, मध्य प्रदेश, तेलंगाना आ अन्य पैघ राज्य एहि प्रक्रिया कें पूर्ण नहि केलक अछि। ई प्रक्रिया पूरा भेला पर पार्टी संघ सँ परामर्श क’ अपन राष्ट्रीय अध्यक्ष के चुनाव करत।

भाजपा के उच्च पदस्थ सूत्र के कहनाय छनि जे एहि पूरा प्रक्रिया मे बेसि समय लागय के संभावना अछि आओर एहि लेल वर्तमान अध्यक्ष जेपी नड्डा जुलाई के अंत या अगस्त के पहिल सप्ताह तक अध्यक्ष बनल रहताह। पार्टी के एकटा अधिकारी कहलनि जे, भाजपा नव अध्यक्ष के नेतृत्व मे अक्टूबर-नवंबर मे होबय बला बिहार चुनाव लड़त। मुदा, देरी केवल प्रक्रिया कें कारणे नहि अछि आ भाजपा आ आरएसएस क’ बीच एहि नाम पर सहमति नहि बनि रहल अछि। जाहि कारण सँ बेसी विलम्ब भ’ रहल अछि । भाजपा कें गठन सँ ल’ क’ अखनधरि राष्ट्रिय अध्यक्ष कें नामक घोषणा होयबाक मे अतेक विलम्ब कहियो नहि भेल छल।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts