नई दिल्ली : प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी शनिदिन भाजपा शासित राज्य केँ मुख्यमंत्री आ उपमुख्यमंत्री संग बैसार क’ अनेकों मुद्दा पर चर्चा केलथि। भाजपा द्वारा नियमित अंतराल पर आयोजित “मुख्यमंत्री परिषद” क’ उद्देश्य राज्य मे प्रमुख योजनाक समीक्षा करब, सर्वोत्तम शासन प्रथाक पालन करब आ केंद्र सरकारक कल्याणकारी पहल पूरा करब अछि। प्रधानमंत्री मोदी केँ अलावा केंद्रीय मंत्री अमित शाह आओर जेपी नड्डा, जे पार्टी केँ अध्यक्ष सेहो छथि , मुख्यमंत्री योगी आदित्यनाथ (उत्तर प्रदेश), हिमंत विश्व सरमा (असम), भजनलाल शर्मा (राजस्थान) आओर मोहन चरण माझी (ओडिशा) संग अनेको नेता उपस्थित छला ।
एहि विचार-विमर्श मे मध्य प्रदेश, उत्तराखंड, अरुणाचल प्रदेश, गोवा, हरियाणा, मणिपुर आ छत्तीसगढ़ क’ मुख्यमंत्री सेहो छलाह। नेता कखनो काल राजनीतिक स्थितिक जायजा सेहो लैत छथि । ई केंद्रीय बैसार एहन समय मे भेल जखन विपक्ष सरकार केँ निशाना बना रहल अछि जे बिहार आओर आंध्र प्रदेश केँ कीमत पर दोसर राज्य केँ अनदेखी कयल गेल अछि। संगहि लोकसभा चुनावक बाद ई पहिल बैसार सेहो अछि जाहि मे भाजपा केँ प्रदर्शन निराशाजनक रहल। अपने सब जनैत छि जें लोकसभा मे पार्टी अपन बहुमत प्राप्त नहि क’ सकल अछि।