
लहरि रूम(दिल्ली) : पीएम मोदी एखन अफ्रीकी देश नाइजीरिया केँ दौरा पर छथि। एहि क्रम मे नाइजीरिया मे भारत केँ प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी केँ – द ग्रांड कमांडर आफ द ऑर्डर आफ द नाइजर (GCON) सँ सम्मानित कयल गेलनि अछि । एहि सँ पहिने ई सम्मान मात्र रानी एलिजाबेथ केँ भेटल छनि । एहन स्थिति मे पीएम मोदी दोसर विदेशी नेता छथि जिनका इ सम्मान भेटल अछि। एहि सँ पहिने 1969 मे ब्रिटेन केँ महारानी एलिजाबेथ केँ एहि सँ सम्मानित कएल गेल छल। कोनो देश द्वारा प्रधानमंत्री मोदी केँ इ एहन 17म अंतरराष्ट्रीय सम्मान होएत।
नाइजीरिया मे प्रधानमंत्री केँ गर्मजोशी सँ भेलनि स्वागत

वाइक दवरा प्रधानमंत्री मोदी केँ अबूजा शहर केँ ‘चाबी’ भेंट कयल गेलनि । ई चाबी नाइजीरिया केँ जनता द्वारा प्रधानमंत्री केँ देल गेल विश्वास आओर सम्मान केँ प्रतीक अछि ।
