spot_img
Friday, August 22, 2025
spot_img
Homeटटका खबरिभारत कें 345 राजनीतिक दल कें मान्यता समाप्त !

भारत कें 345 राजनीतिक दल कें मान्यता समाप्त !

-

भारत कें 345 राजनीतिक दल कें मान्यता समाप्त !

लहरि रूम (नई दिल्ली): चुनाव आयोग 345 राजनीतिक दल के विरुद्ध पैघ कार्रवाई शुरू क’ देलक अछि। इ दल सब मात्र नाम मे छल, कागज पर छोड़ि कतहु नहि देखाइत छल। आयोग एहि दल कs अपन सूची सँ हटेबाक प्रक्रिया शुरू करि देलक अछि। चुनाव आयोग जानकारी देलक जे एहि दल सबहक कार्यालय कतहु नहि भेटल। चुनाव आयोग के अनुसार बहुत पार्टी केवल लेटर हेड पर चलि रहल अछि। मुख्य निर्वाचन आयुक्त ज्ञानेश कुमार, चुनाव आयुक्त डॉ. सुखबीर सिंह संधू आ डॉ. विवेक जोशी मिलिकय अहि निर्णय पर अयला अछि । पिछला छह साल मे इ 345 ‘रजिस्टर्ड गैर-मान्यता प्राप्त राजनीतिक दल’ (RUPPs) एकोटा चुनाव नहि लड़ल अछि। हुनका लोकनिक कार्यालय सेहो कतहु नहि भेटल। एहि लेल आयोग हुनका सबके हटेबाक फैसला केलक अछि। आयोग एकटा प्रेस विज्ञप्ति मे इ जानकारी देलक अछि। इ 345 दल देशक विभिन्न राज्य आ केन्द्र शासित प्रदेशक अछि ।

चुनाव आयोग मात्र कागज पर 345 पार्टी भेटल ……
चुनाव आयोग के रिकॉर्ड मे 2800 सँ बेसि पंजीकृत अमान्य राजनीतिक दल अछि। आयोग देखलक जे एहि मे स बहुतो दल आवश्यक नियम पूरा नहि क’ रहल अछि। RUPP बनल रहय लेल किछ खास शर्त अछि जेकरा पूरा करय के जरूरत अछि। मुदा, बहुतो दल एहि शर्त कए पूरा नहि क’ सकल। अतः आयोग द्वारा अहि तरहक राजनीतिक दल कें चिन्हित क’ देशव्यापी जांच करौलक । एहि जांच मे 345 एहन दल भेटल जे नियम कें पालन नहि क’ रहल छल।

Press Release By ELECTION COMMISSION OF INDIA

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts