spot_img
Friday, August 22, 2025
spot_img
Homeटटका खबरिभारत सरकार कें सर्वदलीय प्रतिनिधिमंडल मे संजय झा : संयुक्त राष्ट्र सुरक्षा...

भारत सरकार कें सर्वदलीय प्रतिनिधिमंडल मे संजय झा : संयुक्त राष्ट्र सुरक्षा परिषद लग ऑपरेशन सिंदूर आ आतंकवाद पर भारतक मंतव्य प्रस्तुत करता।

-

नई दिल्ली : ऑपरेशन सिंदूर आ सीमा पार सँ आतंकवाद के खिलाफ भारत केर लगातार लड़ाई के संदर्भ मे मोदी सरकार द्वारा सर्वदलीय प्रतिनिधिमंडल पठेबाक निर्णय लेल गेल अछि। सरकार द्वारा चुनल गेल सात सर्वदलीय प्रतिनिधिमंडल कें अहि मासक अंत मे संयुक्त राष्ट्र सुरक्षा परिषद के सदस्य सहित प्रमुख भागीदार देशक के दौरा करबाक योजना अछि । सर्वदलीय प्रतिनिधिमंडल आतंकवाद केर सब रूप आ अभिव्यक्ति के मुकाबला करबाक लेल भारत केर राष्ट्रीय सहमति आ दृढ़ दृष्टिकोण के प्रदर्शन करत । आतंकवाद के खिलाफ शून्य सहिष्णुता के देश के सख्त संदेश दुनिया तक पहुंचाओत।

अहि प्रतिनिधि मंडल मे जनतादल यूनाइटेड सँ राज्यसभा सांसद संजय झा केँ अतिरिक्त – कांग्रेस सँ शशि थरूर, भारतीय जनता पार्टी कें रवि शंकर प्रसाद एवं बैजयंत पांडा, डीएमके सँ कनोमोझी करूणानिधि, एनसीपी सँ सुप्रिया सुले आओर शिवसेना सँ श्रीकांत एकनाथ सिंदे छथि।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts