spot_img
Thursday, March 19, 2026
spot_img
Homeटटका खबरिभारी बरखा केँ कारण दिल्ली एयरपोर्ट टर्मिनल -1 केँ छत खसल :...

भारी बरखा केँ कारण दिल्ली एयरपोर्ट टर्मिनल -1 केँ छत खसल : किछु लोक भेला घायल

-

नई दिल्ली : दिल्ली भयंकर गर्मी केँ प्रकोप सँ बाहर भेल नहि छल की आब बरखा सँ लोक सब परेशान भ’ रहल छथि।
आइ भोर सँ दिल्ली-एनसीआर मे भेल भारी बरखा सँ सड़क पानि भरि गेल अछि। दिल्ली हवाई अड्डा के टर्मिनल-1 पर छत खसि पड़ल अछि। दमकल केँ तीन टा गाड़ी मौका पर पहुंचल अछि। साउथ एक्स पार्ट-1 मे बहुतो घर मे बाढ़ि आबि गेल अछि।

नोएडा, गाजियाबाद आ गुरुग्राम मे सेहो बरखा भेल अछि। नोएडा मे भोरे करीब डेढ़ घंटा धरि बरखा भेल। एकर कारण सड़कक कात मे कतेको ठाम जल जमाव भ’ गेल अछि। एखन बूंदा-बांदी भ’ रहल अछि आ हल्का – हल्का हवा सेहो बहि रहल अछि।

भोर सँ भेल भारी बरखा केँ कारण दिल्ली केँ अनेकों जगह सड़क पर यातायात सँ जाम लगनाइ शुरू भ’ गेल अछि। बरखा के कारण आईटीओ पर जाम लागल अछि। आईटीओ पर सब ठाम जलक जमाव अछि । मिंटो पुल सेहो जलमग्न भ’ चुकल अछि । मौसम विभाग केँ अनुसार सफदरजंगमे भोर 2:30 बजेसँ 5:30 बजे धरि 148.5 मिमी वर्षा भेल अछि ।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts