लहरि रूम (रांची ) : भारत केर पूर्वोत्तर क्षेत्र केरऽ किछु क्षेत्र मे आइ रवि दिन संध्या काल 4:41 भूकंप भेल अछि। रिएक्टर स्केल पर भूकंप के तीव्रता 5.8 छल । असम सरकार के अधिकारी इ जानकारी देलनि अछि। अधिकारी सब कहलनि जे, कोनो तरहक जान-माल के नुकसान के तत्काल सूचना नहि भेटल अछि। अहि केंद्र केन्द्र उदालगुरी जिला मे छल । भूकंप के केंद्र तल सँ 5 किलोमीटर निचा( गहराई) मे छल।


