रांची मे बजल ‘भैयारी’ केर डंका विजेता राजेश 11 आ उप- विजेता बनल प्रभाष 11
लहरि रूम (रांची) : रांची मे रहनिहार मैथिल लोकनिक द्वारा तिला सकराइत के अवसर पर 35 सँ 55 आयु वर्ष तक के मैथिल युवा के सहभागिता संग भैयारी क्रिकेट मैच के आयोजन कयल गेल। एहि क्रिकेट मैच के आयोजन रांची जिला के अंतर्गत DAV कपीलदेव, कडरू के खेल मैदान मे आयोजित कयल गेल। प्रभाष 11 संग राजेश 11 के क्रिकेट टीम के बिच क्रिकेट मुकाबला संपन्न भेल। टीम प्रभाष के संगरक्षक के रूप मे कलकत्ता पब्लिक स्कूल के चेयरमैन प्रभाष कुमार झा एवं टीम राजेश के संरक्षक सुप्रसिद्ध कार्डियोलॉजिस्ट डॉ राजेश झा। टीम प्रभाष के कैप्टन अमित झा आओर टीम राजेश के कप्तान इन्दर शेखर झा छला।

आजुक एहि क्रिकेट मैच के उद्घाटन रांची पुलिस सेवा मे डीआईजी चन्दन झा एवं रांची के प्रसिद्ध हड्डी रोग विशेषज्ञ डॉ आर. सी. मिश्रा के कर कमल सँ संपन्न भेल। प्रभाष 11 आ राजेश 11 के बिच मैच के एम्पायर पी. सी. मिश्रा एवं मैच रेफरी मुकेश के उपस्थिति के चांदी के सिक्का उछाईल क’ कयल गेल। टॉस राजेश 11 के टीम जीतल। कैप्टन इन्दर शेखर प्रभाष द्वारा टीम प्रभाष के बैटिंग करबाक लेल आमंत्रित कयलनि। 15 ओवर के मैच खेलल गेल, जाहि मे टीम प्रभाष बैटिंग करैत 15 ओवर मे 158 के स्कोर बनाओल गेल। टीम राजेश जखन जबाब कार्रवाई प्रारम्भ कयलक त’ प्रारंभिक क्षण मे लागल जेना 158 के लक्ष्य बेसी कठिन छल। मुदा चन्दन झा आओर रजनीश झा के द्वारा सधल आओर सूझ बुझ के संग कयल गेल बैटिंग के बदौलत टीम राजेश 14 ओवर मे 159 रण बना क’ विजय भेल। आलराउंडर के ख़िताब DIG चंदन झा आओर मैन ऑफ़ द मैच के ख़िताब रजनीश कुमार झा के देल गेलनि। बेस्ट बॉलर के ख़िताब टीम राजेश मे भवानन्द झा के देल गेलनि।
आजुक कार्यक्रम मेजर जनरल शैलजानन्द झा, अखिलेश झा(आईजी – हजारीबाग),सुरेंद्र झा (डीआईजी – रांची), चन्दन झा( डीआईजी – रांची), जयंत कुमार झा (मेकॉन- निदेशक) ,डॉ. आर. सी. मिश्रा, डॉ मोहन चौधरी, विवेकानंद झा ‘मुन्नू जी’ , डॉ अजय कुमार झा, विनोदानंद झा, प्रभाष कुमार झा, नवीन कुमार झा, पी सी मिश्रा, मिथिलेश मिश्र, नरेंद्र झा, अमरनाथ झा, सियाराम झा सरस , डॉ कृष्ण मोहन झा , भुवन किशोर झा, अमीत झा, मनोज कुमार झा एवं किशोर झा संग अनेकों गणमान्य उपस्थित छला।

