लहरि रूम (दिल्ली) : बहुत मंथन आ चुनाव परिणाम के 11 दिन बाद अन्तोगत्वा दिल्ली के अगिला मुख्यमंत्री के बनत एकर जवाब भेट गेल अछि। भाजपा शिर्षथ नेतागण रेखा गुप्ता नामक दिल्ली के सीएम के रूप मे अपन दावा के पुष्टि केलनि। विधायिका दलक बैसार मे रेखा गुप्ता नेता चुनल गेल छथि। शालीमार बाग से आम आदमी पार्टी के उम्मीदवार को हराकर विजय श्री अर्जित कयलनि अछि | नाम के घोषणा सँ पूर्व प्रथम पर्यवेक्षक रविशंकर प्रसाद आ ओपी धनकर प्रवेश वर्मा, विजेन्द्र गुप्ता, रेखा गुप्ता आ सतीश उपाध्याय के संग वार्ता क’ नामक घोषणा कयलनि ।

रेखा गुप्ता के छथि ?

वर्तमान मे ओ दिल्ली भाजपा के महासचिव आ भाजपा महिला मोर्चा के राष्ट्रीय उपाध्यक्ष सेहो छथि। 50 वर्षीय रेखा के जन्म 1974 में हरियाणा के जिंद जिला में स्थित नंदगढ़ गाम में भेल छल। हुनकर पिता भारतीय स्टेट बैंक मे अधिकारी छलाह । 2007-09 के दौरान दू साल तक एमसीडी में महिला कल्याण आ बाल विकास समिति के अध्यक्ष रहली। तखन ओ दिल्ली भाजपा महिला मोर्चा के महासचिव छलीह। 2010 मे हुनका भाजपा द्वारा राष्ट्रीय कार्यकारिणी सदस्यक जिम्मेदारी देल गेल छल । रेखा गुप्ता के 2015 आ 2020 केर विधानसभा चुनाव मे शालीमारबागक सीट सँ सेहो प्रत्याशी बनाओल गेल छल। मुदा एहि दुनू चुनाव मे हुनका पराजय केँ सामना करय पड़लनि। 2025 के विधानसभा चुनाव मे ओ वंदना कुमारी के भारी अंतर सँ पराजित कयलनि।

रामलीला मैदान मे शपथग्रहण
आजुक दिन 20 फ़रवरी क’ राष्ट्रीय राजधानी के ऐतिहासिक रामलीला मैदान मे होबय वाला शपथ ग्रहण समारोह के तैयारी जोर शोर सँ चलि रहल अछि।
पार्टी के नेता के अनुसार मुख्यमंत्री आओर पूरा मंत्रिमंडल भव्य समारोह मे शपथ लेत। पार्टी नेतासबके अनुसार रामलीला मैदानमे लगभग 50 हजार लोकके उपस्थिति होबयके संभावना अछि । शपथ ग्रहण समारोह के बाद दिल्ली के इम्पीरियल होटल मे एनडीए के नेता के लेल विशेष भोजक के व्यवस्था कएल गेल अछि। एहि आयोजन मे NDA गठबंधन के प्रमुख नेता आ प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी के सेहो सम्मलित हेबाक प्रबल संभावना अछि।