spot_img
Saturday, November 22, 2025
spot_img
Homeराजनीतिमईया सम्मान योजना केँ झारखण्ड मे चुनावी सफलता भेटला केँ कारण दिल्ली...

मईया सम्मान योजना केँ झारखण्ड मे चुनावी सफलता भेटला केँ कारण दिल्ली मे सत्ताधारी पार्टी AAP केँ चुनाव सँ पूर्व ‘मुख्यमंत्री महिला सम्मान योजना’

-

लहरि रूम(दिल्ली) : दिल्ली केँ महिला सभहक लेल दिल्ली सरकार द्वारा पैघ घोषणा कयल गेल अछि। AAP पार्टी केँ सरकार केँ द्वारा चुनाव सँ ठीक पहिने हर महिला केँ ₹1000 प्रति माह देबाक घोषणा कयल गेल अछि। अरविंद केजरीवाल मंत्रिमंडल केँ बैसार केँ बाद एहि योजना केँ प्रारम्भ करबाक घोषणा केलनि । ई योजना आइ सँ लागू भ’ गेल अछि।

अपन मैथिलक स्कूल

आब दिल्ली मे प्रत्येक महिला केँ हर महीना 1000 रुपया भेटत। एकर घोषणा करैत पूर्व सीएम अरविंद केजरीवाल कहलनि जे, भोर 10 बजे मंत्रिमंडल केँ बैसार मे एकटा प्रस्ताव पारित भ’ गेल अछि जे हर महीना दिल्ली केँ हर महिला केँ खाता मे एक हजार रुपया जमा भ’ जायत। दिल्ली सरकार केँ ई योजना आई सँ ही लागू भ’ गेल अछि। केजरीवाल महिला सब सँ इहो वादा केने छथि जे चुनाव जीतला केँ बाद वर्तमान 1000 रुपया केँ राशि बढ़ा क’ 2100 रुपया प्रति माह क’ देल जायत।

अहि योजना केँ लाभ लेबाक लेल काइल दिनाँक 13 दिसंबर सँ लाभार्थी लोकनिक पंजीयन केँ कार्य प्रारंभ होयत।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts