राँची/ झारखंड उच्च न्यायालय कथित भूमि घोटालासँ जुड़ल धनशोधनक मामलामे गिरफ्तार झारखण्डक पूर्व मुख्यमंत्री हेमंत सोरेनकेँ शुक्रदिन जमानत दऽ देलक। जमानत भेटलाक बाद राज्यक पूर्व मुख्यमंत्री आ झारखंड मुक्ति मोर्चाक अध्यक्ष सोरेन भारतीय जनता पार्टीक नेतृत्वपर भयंकर हमला कयलनि। ओ कहला, एकटा कहानी गढ़ि हमरा पाँच मास धरि जेलमे राखल गेल। ओ इहो कहलनि जे भाजपाक आदिवासीक प्रति पक्षपातपूर्ण रवैया अछि।
अदालत १३ जूनकेँ सोरेनक जमानत याचिका पर अपन आदेश सुरक्षित राखि लेने छल। सोरेनक वरिष्ठ वकील अरुणाभ चौधरी मीडियाकेँ कहलनि जे सोरेनकेँ जमानत देल गेल अछि। अदालत कहलक जे प्रथम दृष्टया ओ दोषी नहि छथि आ जमानत पर रिहा होयबाक क्रममे याचिकाकर्ताक कोनो अपराध करबाक कोनो संभावना नहि अछि।
झारखंड मुक्ति मोर्चा (झामुमो)क कार्यकारी अध्यक्ष सोरेनकेँ प्रवर्तन निदेशालय ३१ जनवरीकेँ धनशोधनक जाञ्चक संबंधमे गिरफ्तार कयलक। 48 वर्षीय सोरेन एखन बिरसा मुंडा जेलमे छथि। सुनवाई के दौरान ईडी के वकील एस वी राजू तर्क देलखिन कि अगर सोरेन के जमानत पर रिहा कऽ देल जायत त ओ फेर सँ एहने अपराध करत।