spot_img
Friday, August 22, 2025
spot_img
Homeटटका खबरिमनु भाकर केँ जीतला ओलंपिक मेडल - खुशी सँ झूमल भारत, पीएम...

मनु भाकर केँ जीतला ओलंपिक मेडल – खुशी सँ झूमल भारत, पीएम मोदी कहला – ई सफलता बेहद खास अछि

-

नई दिल्ली : पेरिस ओलम्पिक मे भारत अपन पदक खाता खोललक अछि । भारतीय शूटर मनु भाकर द्वारा शूटिंग मे कांस्य पदक जीती क’ इतिहास रचि देलनि । ओ 10 मीटर एयर पिस्तौल स्पर्धा मे कांस्य पदक जीतने छल आ एहि तरहेँ ओ ओलम्पिक मे पदक जीतय बला पहिल भारतीय शूटर बनल छल । फाइनल मे मनु कुल 221.7 अंक बनेलथि। वर्तमान पेरिस ओलम्पिक मे भारतक ई पहिल पदक अछि । संगहि ओलंपिक केँ इतिहास मे शूटिंग मे भारत केँ ई पांचम पदक छल। कोरियाई खिलाड़ी ओह ये जिनका स्वर्ण (243.2 अंक) आओर किम येजी (241.3 ) केँ रजत पदक जीतल छथि ।

जहिना मनु भाकर पदक पर निशाना लगेलनि, देश हर्ष सँ झुमय लागल । शूटर मनु भाकर केँ चारू कात सँ बधाई भेट रहल अछि। राष्ट्रपति द्रौपदी मुर्मू, पीएम हुनका बधाई देलनि अछि।

भारत केँ मनु भाकर पर्व गर्व अछि : राष्ट्रपति
राष्ट्रपति द्रौपदी मुर्मू सेहो मनु भाकर केँ बधाई देलनि। महामहिम कहलनि , ‘पेरिस ओलंपिक मँ 10 मीटर एयर पिस्तौल शूटिंग स्पर्धा मँ कांस्य पदक केँ संग भारत लेल पदक खाता खोलनि एहि लेल मनु भाकर केँ हार्दिक बधाई । शूटिंग प्रतियोगिता मे ओलंपिक पदक जीतय वाली पहिल भारतीय महिला छी । भारत केँ मनु भाकर पर गर्व अछि। हुनक ई कारनामा बहुत खिलाड़ी खास करी केँ महिला सबके केँ प्रेरित करी रहल । भविष्य मे ओ उपलब्धिक आरो ऊँचाई पर पहुँचबाक कामना करैत छी ।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts