लहरि रूम (नई दिल्ली) : प्रयागराज महाकुंभ मे मौनी अमावस्या पर स्नान सँ पहिने भगदड़ मचि गेल छल ।मीडिया सूत्र कें अगर मानि त’ मंगलदिन राति करीब 2 बजे भगदड़ मे 30 गोटेक जान गेल, जखन कि 60 गोटे घायल भ गेलाह अखनधरि कोनो आधिकारिक पुष्टि नहि भेल अछि । मृतक मे 25 गोटे के पहचान कयल गेल अछि। मेडिकल कॉलेज मे 36 गोटे घायल के इलाज चलि रहल अछि। प्रारंभिक इलाज के बाद 24 गोटे के अस्पताल सँ छुट्टी द’ देल गेल अछि। कर्नाटक, असम आ गुजरात के 4-4 भक्त के मृत्यु भ’ गेल अछि। सरकार भगदड़ मे मारल गेल लोकक परिवार क’ 25-25 लाख टका देबाक घोषणा केलक। अहाँ सब के बताबी जे महाकुंभ के मुख्य स्नान मौनी अमावस्या के होइत अछि | मंगलदिन देर राति धरि करोड़ों लोक त्रिवेणी मे डुबकी लगेबा लेल पहुंचि गेल छल। ई दुर्घटना कतय भेल। एकर बाद आखर लोकनि अमृत स्नान रोकने छलाह | जेना-जेना भीड़ कम होइत गेल, बुधदिन दुपहर मे सब 13अखाड़ा कें लोग अमृत स्नान कयलक । प्रयागराज के सब सीमा सील क’ देल गेल अछि। लोक सभ सँ मेला क्षेत्र दिस नहि आबय के अपील कयल जा रहल अछि। प्रशासन जनता सँ कोनो तरहक अफवाह पर ध्यान नहि देबाक अपील सेहो केलक अछि आ लोक सब सँ धैर्य कायम राखय आ प्रशासन केँ संग सहयोग करय लेल कहलक अछि। भगदड़ मे घायल लोक के एम्बुलेंस सँ महाकुंभ मेला मे बनल अस्पताल मे आनल गेल। जतय सँ किछु कए मेडिकल कॉलेज पठा देल गेल। प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी महाकुंभ भगदड़ पर अनेकों बेर यूपी के सीएम योगी आदित्यनाथ सँ बात कयलनि अछि।
