लहरि रूम (रांची): आई बाबा विद्यापति स्मारक समिति – राँची कें सदस्य लोकनिक बैसार भेल। जाहि मे निर्णय लेल गेल जे 45 गोटे केँ समूह प्रयागराज मे आयोजित महाकुंभ मे अमृत स्नान संग चारि धामक यात्रा हेतु 31 जनवरी 2025 शुक्र दिन रात्रि 9 बजे रांची जिला पंडरा बाजार प्रागण सँ प्रस्थान करत। प्रयागराज मे कुम्भ स्नान 1 फ़रवरी क’ सुनिश्चित अछि। सर्वप्रथम कुम्भ स्नान केला उपरांत विंध्याचल , अयोध्या आओर वनारस मे काशी विश्वनाथ कें दर्शन करैत 45 गोटे समूह 6 फरवरी 2025 क’ रांची वापस आयत। सम्पूर्ण समूहक सरदार संगरक्षक पवन अग्रवाल करता। आजुक बैसार मे अध्यक्ष जयंत झा, महासचिव उदित नारायण ठाकुर, मनोज झा, मृत्युंजय झा, हेमंत झा, महिला समूह के अध्यक्ष श्रीमती बिंदु झा, राजेश झा, विनय पासवान, जुगेश्वर पासवान, आशु झा, श्याम किशोर चौबे, जयशंकर दुबे, डॉ. पंकज राय, आदि उपस्थित छला। उपरोक्त जानकारी बाबा विद्यापति स्मारक समिति के अध्यक्ष जयंत झा देलनि |
