रांची : 14 जून 2024 क’ रांची केँ राज्यसभा सांसद दीपक प्रकाश एवं हटिया (रांची – झारखण्ड ) विधायक नवीन जयसवाल केँ द्वारा रांची जिला केँ हरमू क्षेत्र मे बनल शिव शक्ति मंदिर केँ प्रांगण मे एकटा सामुदायिक भवन केँ निर्माण हेतु शिलान्यास कयल गेल छल। सूचना केँ आधार पर आई 18 जून (मंगल) दिन झारखण्ड आवास बोर्ड केँ कर्मचारी लोकनिक द्वारा ओहि शिलापट केँ बीना कोनो सूचना केँ तोड़ी देल गेल। जखन एहि तोड़ फोड़ केँ प्रतिक्रिया केँ मंदिर मे पूजा हेतु आयल महिला लोकनि विरोध कयलनि त’ आवास बोर्ड केँ कर्मचारी लोकनिक द्वारा अभद्र भाषा केँ प्रयोग करैत गारा – गरौअल संग महिला सब संग हाथा पाहि सेहो कयल गेल। जनाक्रोश केँ देखैत कर्मचारी लोकनि अपन JCB संग वापस अयला। स्थानीय महिला सबके कहब ओहि ठाम हमर सबके भगवान बजरंग बली केँ ध्वजा गरल छल, ओकरा आवास बोर्ड केँ कर्मचारी लोकनि उखारी क’ फेंक देला।
Trending Now

महीला सभकेँ संग जाती सूचक शब्दक प्रयोग एवं अभद्रता पूर्ण काज कयलक झारखण्ड आवास बोर्ड केँ कर्मचारी : राजयसभा सांसद आओर विधायक द्वारा कयल गेल उद्घाटन केँ शिला पट केँ तोड़लक
-