spot_img
Sunday, February 1, 2026
spot_img
Homeटटका खबरिमात्र 42 वर्षक छला 'ईश्वर चंद्र झा' लगौलनि फांसी

मात्र 42 वर्षक छला ‘ईश्वर चंद्र झा’ लगौलनि फांसी

-

लहरि मीडिया (रांची) : आइ सँ 21 दिन पूर्व ईश्वर चंद्र झा आ हुनक पत्नी अपन पुत्र के जन्मक उत्सव घर पर मनेने छला। घर मे उत्सव के माहौल बनल छल। लेकिन दिवंगत ईश्वर चंद्र झा के द्वारा उठाओल गेल डेग सँ घर के माहौल बदलि देलक। पुलिस के अनुसार स्व. झा आओर हुनक पत्नी के बिच मामूली कहासुनी भेल छलनि , हाँ कहाँ सुनी भेलाक बाद स्थिति सामान्य सेहो भ’ गेल छल। जाहि समय घटना भेल ओहि समय स्व. झा के माँ पूजाक समान लेबाक लेल आओर पत्नी सेहो कोनो कार्य सँ बाहर गेल छली। पत्नी जखन घर वापस ऐली तखन अपन पति (स्व. झा) के फसरि लागल देखलनि। फंदा सँ झुलैत देखैत ओ हल्ला मचौलनि। हुनक हल्ला सुनि मुहल्ला के लोक सब जमा भ’ गेलथि आओर तुरंत नजदीक के अस्पताल ल’ गेलथि। जतय डॉ. सब हुनका मृत घोषित कय देलनि। मृतक के पत्नी सेहो पंजाब नेशनल बैंक के पदाधिकारी छथि। ईश्वर चंद्र झा मूलतः भागलपुर के रहे वला छला। हिनक पिताक नाम प्रकाश चंद्र झा छनि। रांची के रातू रोड स्थित शिव दुर्गा लेन मे हिनक अपन मकान छनि।

उपरोक्त जानकारी मीडिया आओर पुलिस के माध्यम सँ प्राप्त भेल अछि मुदा बेर बेर मन मे प्रश्न उठैत अछि जे की दाम्पत्य जीवन में कनि कहासुनि भेल आ लोक फसरि लगा लेतै ओहो तखन जखन अहाँक दुनू प्राणी आत्मनिर्भर छी। रांची के नीक जगह पर अपन घर बनल अछि सुखी सम्पन्न छी। तखन सोशल मीडिया पर अनुसंधान केलाक उपरांत किछु आओर दस्तावेज हाथ लागल। टिव्टर हैंडल X पर @bankpediaa अकाउंट अछि जाहि मे वर्णित अछि ….

Sirf 37 saal ki age me life se ek aur banker haar gya
Raat ko 10pm tak meeting
Koi
@bankofbaroda
bank ke aese corrupt employees ke against strict action kyun nhi leta?
Shiv Shankar Mitra jinki wajah se apni life haar gye wo abhi tak khule aam ghum rahe hain.Kya faayeda aese letter ka?

आओर ओहि संग दू टा चिट्ठी सेहो अछि। जाहि सँ संदेह भ’ रहल अछि जे मृतक ईश्वर चंद्र झा के अपन कार्यालय मे किछु काजक सेहो दबाब छलनि। जाहि मे हुनक आला अधिकारी सेहो हुनका अत्यधिक कार्यक दबाब देने छलखिन। जेकरा सम्भवतः मृतक झा बर्दाश्त नहि क’ सकला आओर अहि तरहक डेग उठेबाक प्रयास कयलनि। मृतक ईश्वर चंद्र झा जिक मृत्यु आत्महत्या नहि हत्या कहि सकैत छी जाहि केर अनुसन्धान हेबाक चाहि ..

सोशल मीडिया के बात जं सच अछि त’ अहि के अनुसन्धान हेबाक चाही……

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts