
लहरि रूम (दरभंगा) : ललित नारायण मिश्र सांस्कृतिक एवं सामाजिक कल्याण समिति, जमशेदपुरके प्रचार सचिव विक्रम आदित्य सिंहके मिथिलाक्षरके प्रचार प्रसार मे उत्कृष्ट योगदानक लेल आय दिनांक 2 अगस्त 2025 केँ दरभंगा स्थित चंद्रधारी मिथिला महाविद्यालय, दरभंगा मे प्राचार्य मुश्ताक अहमद आ मिथिलाक्षर विज्ञके संरक्षक शशिभूषण झा नागदह जी द्वारा संयुक्त रूप सँ सम्मान कयल गेल।
