spot_img
Friday, August 22, 2025
spot_img
Homeराजनीतिमिथिला केँ 5 लोकसभा मे थमल चुनावी शोर - गुल : 7...

मिथिला केँ 5 लोकसभा मे थमल चुनावी शोर – गुल : 7 मई क’ 7 बजे सँ होयत मतदान

-

दरभंगा : लोकसभा चुनाव 2024 केँ तेसर चरण केँ चुनाव हेतु बिहार राज्य केँ मिथिला मे 5 लोकसभा क्षेत्र मे चुनावक प्रसार केँ हल्ला – गुल्ला थमि गेल। तेसर चरण मे मिथिला केँ पांच लोकसभा सीट पर मतदान 7 मई 2024 क’ प्रातः 7 बजे सँ संध्या 6 बजे तक होयत। तेसर चरण मे झंझारपुर, सुपौल, अररिया, मधेपुरा आओर खगड़िया लोकसभा सीट पर मतदान होयत। मिथिला केँ 5 लोकसभा सीट पर कुल 54 प्रत्याशी केँ भाग्यक फैसला 7 मई क’ संध्या 6 बजे बंद भ’ जायत। एनडीए पक्ष सँ तेसर चरण मे जदयू क’ तीन आ भाजपा-लोजपा सँ एक-एकटा उम्मीदवार मैदान मे छथि। एकर संगहि I-N-D-I गठबंधन सँ तेसर चरण मे राजद केँ तीनटा वीआईपी आ सीपीएम सँ एक-एकटा उम्मीदवार एनडीए केँ विरुद्ध चुनाव लड़बा लेल चुनावी मैदान मे छथि ।
मुख्य रूप सँ झंझारपुर लोकसभा क्षेत्र सँ NDA केँ प्रत्याशी जदयू केँ रामप्रीत मंडल आओर I-N-D-I गठबंधन केँ प्रत्याशी वीआइपी केँ सुमन महासेठ तेसर प्रत्याशी बसपा सँ गुलाब यादव , सुपौल लोकसभा क्षेत्र सँ NDA केँ प्रत्याशी जदयू केँ दिलेश्वर कमैत आओर I-N-D-I गठबंधन केँ प्रत्याशी राजद केँ चंद्रहास चौपाल ,अररिया लोकसभा क्षेत्र सँ NDA केँ प्रत्याशी भाजपा केँ प्रदीप सिंह आओर I-N-D-I गठबंधन केँ प्रत्याशी राजद केँ शाहनवाज आलम , मधेपुरा लोकसभा क्षेत्र सँ NDA केँ प्रत्याशी जदयू केँ दिनेश चंद्र यादव आओर I-N-D-I गठबंधन केँ प्रत्याशी राजद केँ प्रो कुमार चंद्रदीप खगड़िया लोकसभा क्षेत्र सँ NDA केँ प्रत्याशी लोजपा (रामविलास) केँ राजेश वर्मा आओर I-N-D-I गठबंधन केँ प्रत्याशी सीपीएम कें संजय कुमार केँ बीच मिथिला क्षेत्र मे घमाशान चुनावी प्रतिस्पर्धा अछि।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts