लहरि रूम (मधुबनी- मिथिला) : प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी आइ अपन बिहार दौरा पर मधुबनी के झंझारपुर पहुंच रहल छथि। अहि क्रम मे प्रधानमंत्री राष्ट्रीय पंचायत दिवस पर झंझारपुर के लोहना उत्तर पंचायत मे एकटा सभा के संबोधित करताह.संगहि अनेको योजनाक उद्घाटन आ शिलान्यास करताह। 13,480 करोड़ सँ बेसी के विकासक परियोजना राष्ट्र के समर्पित करता ।एहि अवसर पर पीएम सर्वश्रेष्ठ प्रदर्शन करय वाला पंचायत के प्रतिनिधि के राष्ट्रीय पंचायत पुरस्कार सेहो सम्मानित करता। झंझारपुरक सभा सँ प्रधानमंत्री बिहार के गोपालगंज जिला के हथुआ मे रेल अनलोडिंग सुविधा वाला एलपीजी बॉटलिंग प्लांट के सेहो शिलान्यास करताह, जाहि पर करीब 340 करोड़ टका लागत।एहि सँ आपूर्ति श्रृंखला के सुव्यवस्थित करबा मे सहयोग भेटत आ थोक एलपीजी परिवहन के दक्षता मे सुधार होएत।एहि क्षेत्र मे बिजली बुनियादी संरचना के प्रोत्साहन दैत प्रधानमंत्री 1170 करोड़ सँ बेसी के परियोजना के शिलान्यास करताह आ पुनर्गठित वितरण क्षेत्र योजना के तहत बिहार मे बिजली क्षेत्र मे 5030 करोड़ सँ बेसी के अनेको परियोजना के उद्घाटन सेहो करताह।

दू टा ट्रेन के देखौता हरियर झण्डा प्रधानमंत्री
प्रधानमंत्री द्वारा सहरसा आ मुंबई के बीच अमृत भारत एक्सप्रेस आ संगहि जयनगर आ पटना क बीच नमो भारत रैपिड रेल के हरियर झंडा देखाओल जायत ।खगड़िया अलौली आ ललितग्राम बाईपास रेल लाइन सेहो राष्ट्र कए समर्पित कैल जाएत। प्रधानमंत्री सामुदायिक निवेश कोष क तहत 930 करोड़ टका क’ लाभक वितरण करताह।प्रधानमंत्री दीनदयाल अंत्योदय योजना- राष्ट्रीय ग्रामीण आजीविका मिशन (डीएवाई-एनआरएलएम) के अंतर्गत बिहार के 2 लाख सँ बेसी स्व-सहायता समूह के सामुदायिक निवेश कोष के तहत करीब 930 करोड़ रुपया के लाभ वितरित करताह।

पीएम मोदी 15 लाख नव लाभार्थी के स्वीकृति पत्र सौंपताह
प्रधानमंत्री पीएमएय-ग्रामिन के 15 लाख नव लाभार्थी के स्वीकृति पत्र सौंपताह आओर देश भरि के 10 लाख पीएमए-ग्रामीन लाभार्थी के किस्त जारी करताह.
संगहि बिहार मे 1 लाख पीएमएवाई-ग्रामीण आ 54 हजार पीएमएवाई-शहरी मकान के गृहप्रवेश के अवसर पर किछु लाभार्थी के घरक चाभी सेहो सौंपताह।