मुंबई : मुंबई पुलिस द्वारा एडवाइजरी जारी करल गेल अछि भारत मौसम विभाग (आईएमडी) केँ भविष्यवाणी के हवाला दैत हुअ॑ आई शुक्र दिन मुंबई मे रहनिहार लोकनि घर सँ नहि बाहर आबैथ जाबय तक अति आवश्यक काज कोनो नहि होइ। बम्बई नगर निगम, हालांकि, घोषणा केलक अछि जे ओकर इलाका केँ सभ स्कूल आ कॉलेज शुक्रदिन सामान्य रूप सँ संचालित होएत।
खबर अछि जें आईएमडी द्वारा 26 जुलाई केँ प्रातः काल लेल रेड अलर्ट कयल गेल अछि। आई दिन भर मुंबई मे भारी बरखा आओर बिजलोका खसय के संभावना बताओल गेल अछि । शहर मे एक दिन आओर ट्राफिक जाम , जल जमाव केँ संकट होयत से अनुमान लगाओल गेल अछि।
दोसर तरफ पुना सँ खबरि आबि रहल अछि भिडे पुल केँ नजदीक करंट लगला सँ तीन युवक केँ मृत्यु भ’ गेल। मृतक केँ अभिषेक अजय घनेकर, आकाश विनायक माने आ शिव परिहार के रूप मे पहचानल गेल अछि। अधिकारी केँ कहनाय छनि जे दक्कन इलाका मे अंडा भूर्जी के दोकान चलाबय वाला तीनू लोक केँ दोकान बंद करय के समय करंट लागि गेल छल। एकटा अलग घटना मे गुरुदिन भोर मे अधरवाड़ी गाम मे भूस्खलन मे एक गोटेक मृत्यु आ दोसर घायल भ’ गेल छथि । मृतक केँ पहचान मुलशी निवासी शिवाजी भैरत केँ रूप मे कयल गेल अछि, जखन कि गोंडिया निवासी जितेंद्र जम्भूरपाने जे वर्तमान में मुलशी मे रहैत छथि, घायल भेल छथि।
जिला प्रशासन जे बरखा केँ आंकड़ा साँझा कयलनि अछि ताहि केँ अनुसार भोर 7:30 बजे समाप्त भेल 24 घंटा मे लोनावाला मे 300 मिमी, लवसा मे 417 मिमी आ जुन्नार मे 214 मिमी बरखा भेल अछि।