spot_img
Friday, August 22, 2025
spot_img
Homeटटका खबरिमुख्यमंत्री मंईयां सम्मान योजना (जेएमएमएसवाई) केँ तहत 1000 रुपया 'खटाखट-खटाखट' हेमंत सोरेन...

मुख्यमंत्री मंईयां सम्मान योजना (जेएमएमएसवाई) केँ तहत 1000 रुपया ‘खटाखट-खटाखट’ हेमंत सोरेन द्वारा

-

राहुल गाँधी खाली बजिते रही गेला, झारखण्ड मे प्रारम्भ भेल योजना

रांची : झारखंड मे हेमंत सरकार महिला सशक्तिकरण केँ लेल एकटा नव योजना शुरू केलक अछि। एहि योजना क’ तहत प्रारंभिक चरण मे अड़तालीस लाख महिला केँ जोड़बाक काज भ’ रहल अछि। झारखण्डकेँ सीएम कहलनि जे मुख्यमंत्री मंईयां सम्मान योजना (जेएमएमएसवाई) सरकार के एक महत्वाकांक्षी योजना है।

एहि योजना क’ तहत लाभार्थीक पात्रता केँ सरल राखल गेल अछि। आवेदक झारखंड केँ निवासी होयबाक चाही आ हुनकर उम्र 21 साल सँ बेसी आ 50 साल सँ कम होबाक चाही। आवेदक केँ आधार लिंक सिंगल बैंक खाता होबाक चाही। जिनकर बैंक खाता आधार सँ नहि जुड़ल अछि ओ सेहो दिसंबर 2024 तक एहि योजना क’ लाभ ल’ सकैत छथि। मतदाता आईडी कार्ड आ आधार कार्ड होयबाक । आवेदक केँ परिवार लग झारखंड राज्य केँ अंत्योदय अन्न योजना (पीला रंग के राशन कार्ड), पूर्व मे प्राप्त गृहस्थ कार्ड (गुलाबी रंग के राशन कार्ड), राशन कार्ड (सफेद रंग के राशन कार्ड) या हरियर रंग वला अलग राशन कार्ड होबाक चाही।

हाल केँ समय मे हेमंत सरकार महिला केँ सशक्तिकरण आ ओकर आर्थिक मजबूतीक लेल बहुत रास योजना प्रारम्भ केलक एहि योजना मे महिला केँ केंद्र बिंदु छल आ ओकर आर्थिक उत्थान केँ लेल विशेष ध्यान राखल गेल। खास क’ गरीब वर्गक महिला केँ ध्यान मे राखि योजना बनाउल गेल, स्कूल जेबा लड़की क’ लेल योजना छल, संगहि छोट-छोट काज करय चाहय वाली गृहिणी केँ सहायता देबाक विशेष ध्यान राखल गेल।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts