लहरि रूम (रांची) : अखिल भारत हिन्दू महासभा झारखंड के कार्यवाहक प्रदेश अध्यक्ष जयंत झा के नेतृत्व मे शनिदिन 19 अप्रैल 2025 क’ राजभवन के सामने विरोध प्रदर्शन कयल गेल। एहि क्रम मे मुर्शिदाबाद घटना के ल’ कs पश्चिम बंगाल मे राष्ट्रपति शासन लगेबाक मांग कैल गेल । जयंत झा कहलनि जे, पिछला एक सप्ताह सँ वक्फ एक्ट के नाम पर पश्चिम बंगाल मे लक्षित हिंसा आ दंगा भ’ रहल अछि आ हिन्दू पर अत्याचार पैघ पैमाना पर चलि रहल अछि। सैकड़ों पीड़ित हिन्दू परिवार के अपन राज्य मे निर्वासित करय लेल मजबूर क’ देल गेल अछि।

हिन्दू परिवार के सुरक्षा के मामला मे राज्य सरकार के कोनो कार्रवाई जमीन पर नहि देखा रहल अछि। ओ आरोप लगौलनि जे राज्य सरकार पक्षपातपूर्ण रवैया अपना रहल अछि। । एहि अवसर पर मुख्य रूप से अखिल भारत हिन्दू महासभा केझारखण्ड के कार्यरत प्रदेश अध्यक्ष जयंत झा, जिला अध्यक्ष सूर्यकांत सिंह, भूत सिंह, विनय सिंह, रिंकू सिंह, पिंकू झा, वैद्य मनोज झा, पवन सोनी, अनूप गुप्ता, जसवंत बरनवाल संग अनेक सदस्य उपस्थित छला |
