मैथिली भाषा कें अपन उचित स्थान दिएबाक हेतु सब संगठन एक होइथ : अमरनाथ झा
लहरि रूम (रांची) : झारखंड मे रहनिहार मैथिल समुदाय मे कोनो जिला मे झारखंड शिक्षक पात्रता परीक्षा के लेल जिला योजना नीति मे मैथिली के क्षेत्रीय भाषा के सूची मे सम्मलित नहि भेला कें कारण सँ आक्रोश अछि । झारखण्ड मे मैथिली कें कोना योजना नीति मे स्थापित कयल जायत ? की मैथिली भाषा कें लेल आंदोलन हेतु सब मैथिली भाषा भाषी संगठन एक मंच पर आओत ? अहि सब बात पर लहरी अपन प्रश्न अंतर्राष्ट्रीय मैथिली परिषद, झारखंड कें प्रदेश अध्यक्ष सह मैथिली भाषा संघर्ष समिति, झारखंड के संयोजक अमर नाथ झा लग राखलक। अपन विचार व्यक्त करैत अमरनाथ झा कहलनि जे मैथिली भाषा संविधान कें अष्टम सूची मे रहबाक संग-संग झारखंड राज्य के द्वितीय राज्य भाषा कें सूची मे सेहो सम्मलित अछि | झारखंड के योजना नीति मे मैथिली के सम्मलित नहि होयबाक के कारण समुदाय के लोग फेर से जन जागरूकता अभियान चला रहला अछि । देवघर, दुमका, गोड्डा, पाकुर, साहेबगंज, जामताड़ा जिला के संग-संग रांची, जमशेदपुर, धनबाद आ बोकारो मे लाखों मैथिली भाषी रहैत छथि । ध्यान देबऽ वाला बात इ अछि जे विगत किछु दिन पहिने झारखण्ड कें महामहिम राज्यपाल के पूरा झारखंड सँ हजारों लोगऽ के हस्ताक्षर वाला ज्ञापन देलऽ गेलऽ छल । कार्मिक विभाग मे एखनो एहि फाइल पर विचार भ’ रहल अछि। अगर सरकार अपन योजना नीति मे मैथिली के शामिल नहि करत तखन राज्य के सब मैथिल संगठन एक संग आबि अपन-अपन जिला मे उपायुक्त के माध्यम सँ मुख्यमंत्री के ज्ञापन सौंपत। दोसर चरण मे हम सब माननीय विधायक कें ज्ञापन देब। अंतिम चरण मे हम सब अपन भाषा के रक्षा के लेल लोकतांत्रिक आन्दोलन शुरू करब। एकर तैयारी सब जिला मे चलि रहल अछि।
