मैथिली भाषा के झारखण्ड के क्षेत्रीय/नियोजन नीति मे सम्मलित करेबाक अग्रिम विधान सभा मे चर्चा हेतु “बाबा विद्यापति स्मारक समिति” के पहल युद्ध स्तर पर प्रारम्भ भेल अछि। समिति केँ द्वारा विधान सभा मे चर्चा हेतु पक्ष एवम विपक्ष के माननीय विधायक केँ प्रतिवेदन द’ क’ अपन बात अगला विधानसभा में चर्चा आओर मैथिली भाषा केँ झारखण्ड राज्यक क्षेत्रीय नियोजन नीति मे सम्मलित कैल जाय एहि पर ध्यान आकृष्ट करबाक बात राखत। एहि बातक जानकरी समिति केँ अध्यक्ष जयंत झा देलनि।

