लहरि रूम (रांची) : झारखंड मैथिली मंच, रांची के तत्वावधान मे विद्यापति दलान हरमू के सामने शिव शक्ति छठि घाटक पोखरि पोखरी पर पितृ पक्षांत अमावस्या पर विशेष सामूहिक तर्पण आ कुश त्यागक कार्यक्रम कें आयोजन कयल गेल | पंडित सतीश कुमार मिश्र के मार्गदर्शन मे सम्पूर्ण कार्यक्रम पूर्ण कयल गेल |

कार्यक्रम समाप्त भेलाक बाद सदस्य लोकनि सामूहिक भोजक आनंद लेलनि । संरक्षक अरुण कुमार झा, अध्यक्ष बिनय कुमार झा, महासचिव जयंत कुमार झा, कोषाध्यक्ष संतोष कुमार मिश्र, कैलाश झा, प्रकाश चंद्र झा, कौशल किशोर झा, सुकुमार नाथ झा, रणधीर झा, प्रकाश चंद्र झा , उपेन्द्र कार्यक्रम में मेहता, प्रशांत कुमार मिश्र संग अनेक गणमान्य उपस्थित छला |

